* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Sunday 21 February, 2010

संकटग्रस्त भाषा कें संरक्षण हुअए

आइ अंरराष्ट्रीय मातृभाषा दिवस छैक। एहि अवसर पर अल्पसंख्य मामिला कें मंत्री सलमान खुर्शीद भाषाई अल्पसंख्यकलोकनि सं संबद्ध भाषा सभहक संरक्षण आ संवर्द्धन केर अपील कएलनि अछि। ज्ञातव्य जे यूनेस्को केर ताजा रिपोर्ट मे,भारतक 126 भाषा कें विलुप्त हएबाक कगार पर बताओल गेल छैक। आइ दिल्ली मे,अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस पर आयोजित सम्मेलन मे खुर्शीद जी कहलनि कि डेंजर जोन केर भाषा सभकें संरक्षण केर उपाय ई छैक जे देश मे प्राथमिके स्कूल स्तर सं मातृभाषा मे शिक्षा देल जाए। हुनकर कहब रहनि जे देश मे 234टा एहन भाषा अछि जकर बजनिहारक संख्या लगभग 10हजार छैक। ओ आश्वासन देलनि जे देश कें 23 करोड़ भाषाई अल्पसंख्यक कें संवैधानिक संरक्षण प्रदान करबा लेल सरकार हरसंभव प्रयास करत।
आइ एहि अवसर पर पश्चिम बंगाल मे कतेको कार्यक्रम भेल। कोलकाता मे,भाषा शहीद स्मारक समिति बंगाली भाषाक प्रचार लेल विशेष कार्यक्रम आयोजित कएलक। बांगलादेश मे सेहो भाषाई आंदोलन मे शहीद भेल लोकनिकें श्रद्धांजलि देल गेल। बांगलादेशक प्रधानमंत्री शेख हसीना कहलनि जे बंगला भाषाक आंदोलन अपन धरोहरकें संरक्षित करबाक लेल दुनिया भरि मे संघर्षरत लोक सभक लेल प्रेरणा-स्त्रोत रहल छैक।

No comments:

Post a Comment