* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Saturday 20 February, 2010

तुलु भाषा विशेषज्ञ राघवन नहि रहलाह

तुलु भाषा के संबंध में पहिल प्रामाणिक किताब प्रकाशित कएनिहार प्रख्यात साहित्यकार सी राघवन कें आइ केरल केर कासरगोड मे एक निजी अस्पताल में स्वर्गवास भ गेलनि। ओ 79 बरखक छलाह। 1998 में ओ चंदुमेनन की इंदुलेखा के कन्नड अनुवाद लेल हुनका साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल छनन्हि। श्री राघवन दैनिक मलयालम समाचारपत्र ‘उतरादेशम’ कें संपादक सेहो छलाह।
हुनकर परिवार में पत्नी गिरिजा, एक बेटा आर तीन बेटी छन्हि। श्री राघवन पेशा सं शिक्षक छलाह कतेको साहित्यिक कृति कें मलयालम आर कन्नड में अनुवाद कएने छलथि।

No comments:

Post a Comment