* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 19 February, 2010

बिहार में मार्किंग आब कोनो समस्या नहि रहत

केन्द्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्डक परीक्षा प्रणाली सं होड़ ल रहल बिहार बोर्डक मेधावी विद्यार्थीलोकनिक लेल ई सबसं पैघ खुशखबरी अछि। एहि बरखक दसवीं परीक्षा के विज्ञान आ गणित में सही उत्तर देनिहार शत-प्रतिशत अंक पाबि सकैत छथि, यानी 100 में 100। दिल्ली में कोब्से (कोआर्डिनेशन कमेटी आफ बो‌र्ड्स आफ सेकेंडरी एजुकेशन) केर बैठक में शामिल बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के अध्यक्ष प्रो. एकेपी यादव मैट्रिक परीक्षा केर तैयारी ल कए तनाव सं गुजरि रहल परीक्षार्थी कें राहत दैत कहलनि जे भाषा आ साहित्य सं जुड़ल विषयक परीक्षा में सेहो नीक अंक देल जेतैक। सही भाषा व शुद्ध लिखावट पर सेहो अंक भेटत। एहि लेल कॉपी मूल्यांकन सं पहिने जिला स्तर पर चयनित परीक्षकोलोकनिक कार्यशाला आयोजित कए हुनका सभ कें कापी कें सर्वोत्तम तकनीक सं अवगत कराओल जाएत।

No comments:

Post a Comment