बामा सं दहिनाः
1. कोन मासक पूर्णिमा में गंगास्नान करबाक परंपरा छैक?
3. मैथिलीक पहिल टीवी चैनल।
7. यमुना नोतल यम कें,हम नोती भाई के......कोन पाबनि केर मंत्र अछि?
9. बड़ रे जतन सं हम सिया धिया पोसलहुं गीत में,ओहार कोन रंगक बताओल गेल छैक?
10. रामक हाथें शिव धनुष टूटबाक आवाज सुनि परशुराम कोन अस्त्र लए राजा जनक केर सभा में आएल छलाह?
12. मरवा पर, कोन बासन पर गहना सभ चढाओल जाइत छैक?
14. नव कनियांक लेल कथी कीनबाक वास्ते लहेरियासराय केर बाजार नामी छैक?
16. कम मीठ आ बेसी पानि बला फलक स्वाद केहन कहल जाइत छैक?
17. मिथिलाक्षर में "ए" केना लिखबैक?
ऊपर सं नीचाः
2. सिमरिया में कार्तिक कृष्णपक्ष प्रतिपदा सं प्रारंभ होएबला एक/सवा मासक मेला के की कहल जाइत छैक?
4. मिथिला में लोकप्रिय एकटा माछ।
5. कोन नक्षत्रक झटक सं ठण्ढी प्रारंभ होइत छैक?
6. मंत्रेश्वर झा के कोन कृति केर लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल छन्हि?
7. मधुबनी जिलांतर्गत एक गोट गाम।
8. जेना हवा संग बसात,तहिना पाबनि संग?
10. छोट मुदा मोटगर लाठी।
11. एहि बेर मणिपद्म जयंती पर मिथिलांगन कोन नाटकक मंचन कएलक?
13. बरण्डा के आओर की कहल जाइत छैक?
15. पेट साफ रखबा लेल एकर सेवन उपयुक्त मानल जाइछ।
18. तिरहुता में "ऐ" एना लिखल जाइत छैक।
नोटः-उत्तर sujhavpeti@gmail.com पर मार्च,2010 केर प्रथम सप्ताह तक पठाओल जाए।
(मिथिलांगन,मैथिली त्रैमासिक,दिल्ली में यथाप्रकाशित)
No comments:
Post a Comment