* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Sunday 28 February, 2010

कैट परिणाम घोषित

आठ भारतीय प्रबंधन संस्थान-आईआईएम केर संयुक्त प्रवेश परीक्षा (कैट-२००९) कें परिणाम आई घोषित भ गेल।
प्रत्येक आईआईएम द्वारा साक्षात्कार लेल चुनल गेल उम्मीदवार सभहक नामक घोषणा सेहो कैट केर वेबसाइट पर कएल जाएत। एहि बेर प्रवेश परीक्षा पहिल बेर कंप्यूटर आधारित ऑनलाइन व्यवस्था के जरिए भेल छल आर छात्रलोकनि कें पहिल चरण में तकनीकी त्रुटि केर सामना करए पड़ल छलनि। जाहि उम्मीदवार कें तकनीकी खराबी के कारणे परीक्षा देबा मे मोसकिल भेलनि,तनिका दोबारा परीक्षा देमए लेल कहल गेल छलन्हि। आठ आईआईएम कें अतिरिक्त १२० सं बेसी गैर-सदस्य आईआईएम प्रबंधन स्कूल छैक जे कैट के साथ पंजीकृत छैक आर अपन संस्थान में छात्र कें प्रवेश देबा लेल कैट कें इस्तेमाल करैत छथि।
जं अहूं एहि परीक्षा मे शामिल भेल रही,तं रिजल्ट रिजल्ट देखबा लेल क्लिक करू।

No comments:

Post a Comment