* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 23 February, 2010

बिहार मे प्रैक्टिकल परीक्षा तारीख मे परिवर्तन

23 फरवरी सं निर्धारित इंटरमीडिएट प्रायोगिक परीक्षा केर तिथि बढ़ा देल गेल अछि। प्रायोगिक परीक्षा आब होली के बाद 3 मार्च सं हएत आ 14 मार्च धरि चलत। व्यावसायिक पाठ्यक्रमक प्रायोगिक परीक्षा सेहो एकर संगहि लेल जाएत। छात्रलोकनि कें इंटर केर प्रायोगिक परीक्षाक प्रवेश-पत्र मंगल सं ब्रैस्पति तक भेटतनि। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के अध्यक्ष प्रो. एकेपी यादव काल्हि इहो कहलनि जे इंटरमीडिएट केर प्रायोगिक परीक्षाक एहन केंद्र सभ जतए मैट्रिक करे परीक्षा सेहो निर्धारित छैक,ओहि ठाम मैट्रिक परीक्षा समाप्त भेलाक एक घंटा बाद यानी एक बजे सं इंटर केर प्रायोगिक परीक्षा लेल जाएत। मंगलवार कए मगध, सारण, कोसी आर पूर्णिया प्रमंडल कें स्कूल-कालेज मे प्रवेश-पत्र बांटल जाएत। बुधकए तिरहुत, दरभंगा आर भागलपुर प्रमंडल मे। पटना आर मुंगेर प्रमंडल कें स्कूल-कालेज में वितरण ब्रैस्पति कए हएत। मैट्रिक परीक्षा केर एडमिट कार्ड छात्रलोकनि कें 2 मार्च सं भेटतनि।

No comments:

Post a Comment