* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 3 September, 2010

19 अनुमंडल मुख्यालय मे डिग्री कॉलेज

बिहार के 19 अनुमंडल में डिग्री कॉलेज खुजत। मानव संसाधन विकास विभाग एहि लेल आठ करोड़ रुपय्या उपलब्ध करा देने अछि। एहि डिग्री कॉलेज सभहक लेल निजी क्षेत्र के मदद सेहो लेल जएतैक। संगहि,एहि कॉलेज सभ मे बीएड आ आन व्यावसायिक विषय सभ केर पढ़ाई सेहो शुरू हेतैक। मानव संसाधन विकास विभाग आम जनता सं अपील कएने अछि जे जं ओ लोकनि अपन माता-पिता के नाम पर कॉलेज खोलए चाहैत छथि तं राज्य सरकार कें पांच एकड़ जमीन देमय पड़तन्हि। सरकार ओहि जमीन पर अपन पाई सं कॉलेज स्थापित करत।
जमीन कें तलाश करबाक लेल संबंधित जिलाधिकारी लोकनि कें निर्देश द देल गेल छन्हि। डिग्री कॉलेज अनुमंडल मुख्यालय सिमरी बख्तियारपुर, त्रिवेणीगंज, धमदाहा, बयासी, मनिहारी, बेनीपुर, तेघड़ा, बलिया, नीमचक-मथानी, रजौली, राजगीर, जगदीशपुर, पीरो, सीतामढ़ी, पुपरी, बगहा आर महुआ में खुजत। प्रत्येक महाविद्यालय के निर्माण पर आठ-आठ करोड़ रुपय्या कें लागत अएबाक संभावना छैक। ज्ञातव्य जे यूजीसी निर्देश देने छल जे पछुआएल इलाका सभ मे उच्च शिक्षा के विकास लेल डिग्री स्तरीय महाविद्यालय स्थापित कएल जाए। कुल खर्च के 70 फीसदी लागत सेहो यूजीसी वहन क रहल अछि।