* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday 18 February, 2010

अढाई हजार रूपया प्रतिमाह पर कृषक सलाहकार

आजुक दैनिक जागरण,मुजफ्फरपुर संस्करण में प्रकाशित खबरि केर अनुसार,राज्य सरकार खेतीबाड़ी कें विकास लेल हर पंचायत में एक प्रगतिशील किसान कें कृषक सलाहकार कें रूप में नियुक्त करबाक निर्णय लेने अछि। प्रदेश में ढाई हजार रुपये मासिक मानदेय पर कुल 8463 सलाहकार बहाल हएता। काल्हि मंत्रिमंडल बैठक में एहि प्रस्ताव कें मंजूरी देल गेल। प्रधान सचिव कैबिनेट अफजल अमानुल्लाह कहलनि कि कृषक सलाहकार योजना लेल 36.27 करोड़ रुपय्याक स्वीकृति देल गेल। प्रगतिशील किसान कें कृषक सलाहकार के रूप में प्रसार-तंत्रक संग पारा-प्रसारकर्मी के रूप में शामिल कएल जाएत। सलाहकारलोकनि पर कृषि विकासक योजना के क्रियान्वयन के उत्तरदायित्व रहतनि। चयन जिलाधिकारी केर अध्यक्षता में गठित कमेटी करत। चयन में आरक्षण रोस्टर केर पालन कएल जाएत। बाद में हिनका सभ कें राजेन्द्र कृषि विवि-कृषि विज्ञान केन्द्र सभ में प्रशिक्षण देल जएतनि। कृषि स्नातक, कृषि में इंटर सं ल कए किसान मित्र अथवा कृषि विज्ञान केन्द्र सं प्रशिक्षितलोकनि कें चयन में प्राथमिकता देल जाएत।

No comments:

Post a Comment