* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday 22 February, 2010

पटना मे पुस्तकालयाध्यक्ष पद केर काउंसिलिंग 8 मार्च सं

आजुक दैनिक जागरण,पटना संस्करण मे प्रकाशित खबरि केर अनुसार,पटना जिला में पुस्तकालयाध्यक्ष के करीब 150 पदक लेल 3753 अभ्यर्थी आवेदन कएलनि अछि जनिकर काउंसिलिंग 8 मार्च सं शुरू हएत। सभसं पहिने जिला परिषदक अभ्यर्थी लेल काउंसिलिंग हएत। ज्ञातव्य जे एहि पद पर बहाली अढाई साल सं रुकल छैक। जिला शिक्षा अधिकारी किरण कुमारी कें मोताबिक, काउंसिलिंग कें बाद रोस्टर बाधित कएने बिना, चयनित अभ्यर्थी केर नियोजन कएल जाएत। जनिकर प्रमाण-पत्रक सत्यापन भ गेल छन्हि, सएह सभ विद्यालय में योगदान क सकताह आर ओही तिथि सं वेतन भुगतान कएल जएतन्हि। अन्य अभ्यर्थी लोकनि सं शपथ-पत्र लेल जाएत जे हुनकर प्रमाण-पत्र सही छन्हि। प्रमाण-पत्र फर्जी प्रमाणित भेला पर कानूनी कार्रवाई कएल जाएत।

No comments:

Post a Comment