इंटर साइंस परीक्षा के रिजल्ट निकलि गेल अछि। एक बेर फेर लड़की सभ आगू रहल अछि। पहिल पांच स्थान लड़किए सभहक खाता मे गेलैक। टॉप 15 में 9 टा लड़की। एहि बेरक इंटर साइंस के परीक्षा में 92.51 फीसदी परीक्षार्थी सफल भेल छथि। छात्रालोकनिक सफलता प्रतिशत 93.25 आ छात्र सभहक 92.30 प्रतिशत रहल छैक। पछिला बरख 91.85 फीसदी छात्र सफल रहल छलाह मुदा एहि साल 92.51 फीसदी छात्र सफल रहलाह।
टॉप 10 के सूची पर एक नज़रि
1. श्वेता रंजन - जेडी वुमेन्स कॉलेज,पटना - 425
2. रूबी कुमारी - सेंट कबीर कॉलेज,समस्तीपुर - 424
3. निहारिका - एएनयूएसएस,महाराजगंज - 421
4. सोनम कुमारी- एनयू यादव कॉलेज,मधेपुरा- 419
5. फिरदौस परबीन -टीपी कॉलेज, मधेपुरा-- 418
6. कुणाल प्रताप- एसडीएस कॉलेज,अरवल- 417
7. विवेक रंजन- एमआरजेडीआई कॉलेज, बेगूसराय- 417
8. चंदन कुमार सिंह- सीएमएससी कॉलेज,दरभंगा- 416
9. अभिषेक अग्रवाल- गया कॉलेज- 415
10.राज पराशर- बीडीएसडी कॉलेज, सारण- 414