* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 26 February, 2010

आम बजटः2010-11


  • 1.60 हजार लाख धरिक आय पर कोनो कर नहि। 1 लाख 60 हजार सं 5 लाख तक केर आय पर 10 फीसदी आयकर । 5 से 8 लाख तक 20 फीसदी टैक्स । 8 लाख सं ऊपर 30 फीसदी टैक्स । 80- सी में 20 हजार केर बढत कएल गेल।
  • पेट्रोल के दाम आइ राति सं दिल्ली में 2.67 पैसा प्रति लीटर आर डीजल के दाम में 2.58 पैसा प्रति लीटर केर बढोतरी
  • सिगरेट, बीडी, सोना, कार महग भेल
  • राजीव आवास योजना निधि मे 700% वृद्धि
  • नरेगा लेल 41 हजार करोड़ आर भारत निर्माण योजना लेल 48 हजार करोड़
  • प्रोत्साहन पैकेज धीरे-धीरे वापस हएत
  • 10 लाख रु तक कें आवास ऋण पर ब्याज सब्सिडी एक आओर साल लेल बढ़एबाक प्रस्ताव
  • गंगा नदी बेसिन प्राधिकरण केर खर्च 500 करोड़ रुपया भेल
  • स्कूली शिक्षा लेल 31,036 करोड़ रुपया
  • स्वास्थ्य आर परिवार कल्याण क्षेत्र पर आवंटन 22,300 करोड़ रुपया
  • सस्ता मकानक कर्ज पर छूट मियाद 2011 तक बढल। होम लोन पर सब्सिडी जारी रहेत। 20 लाख तक के मकानक लेल कर्ज पर 2011 तक रियायत जारी।
  • शहरी विकास लेल आवंटन 5,400 करोड़ रुपया
  • एसएमई के लिये व्यय बढ़िकए 2,400 करोड़ रुपया भेल
  • राष्ट्रीय सामाजिक सुरक्षा लेल 1,000 करोड़ रुपये
  • विशेष पहचान प्राधिकण लेल1,900 करोड़ रुपयाक प्रावधान
  • शिक्षा अनुदान में 2000 करोड कें बढोतरी । कौशल शिक्षा लेल 31 लाख 36 हजार करोड़ ।
  • GST अप्रैल 2011 से लागू करबाक प्रयास
  • रक्षा बजट बढिकए एक लाख 47 हजार 344 करोड रूपया भेल
  • सरकार सार्वजनिक क्षेत्रक कंपनी में विनिवेश सं 25,000 करोड़ रुपया जुटाओत
  • अक्तूबर के बाद सं सार्वजनिक कंपनी केर बाजार कैपिटलाइजेशन 3.5 परसेंट बढ़ल
  • ईंधन केर कीमत कें नियंत्रण मुक्त करबाक प्रस्ताव विचाराधीन
  • वित्तीय स्थिरता आर विकास परिषद कें गठन हएत
  • एक अप्रैल 2010 सं पोषण आधारित उर्वरक सब्सिडी
  • रिजर्व बैंक निजी क्षेत्र में आर बैकिंग लाइसेंस देबा पर विचार करत
  • हस्तशिल्प निर्यात पर एक आओर वर्ष के लेल 2 परसेंट निर्यात सब्सिडी
  • जलवायु चुनौती संबंधी कृषि पहल लेल 200 करोड़ रुपया
  • समय पर भुगतान के मामिला में फसल ब्याज सब्सिडी बढ़िकए 2 प्रतिशत भेल
  • गंगा सफाई लेल 500 करोड
  • ग्रामीण, शहरी बुनियादी ढांचा कें बेहतर बनएबा पर जोर
  • इंफ्रास्ट्रक्चर विकास लेल 1,73,552 करोड़ रुपयाका प्रावधान
  • रेलवे लेल आवंटन 16,752 करोड़ रुपया
  • कोयला विकास विनियामक प्राधिकरण कें गठन केर प्रस्ताव
  • डॉलर, पाउंड जकां रूपया केर सेहो सिंबल हएत।
  • बिजली क्षेत्रक लेल आवंटन 5,130 करोड़ रुपया
  • आर्थिक वृद्धि दर कें 9 प्रतिशत स्तर पर अनबाक चुनौती
  • लद्दाख क्षेत्र में सौर आर पनबिजली परियोजना लेल 500 करोड़ रुपया
  • दिसंबर में विनिर्माण क्षेत्र की वृद्धि दर 18.5 प्रतिशत रहल जे दू दशक में सर्वाधिक
  • नया डायरेक्ट टैक्स कोड अप्रैल 2011 सं लागू हेबाक उम्मीद
  • कृषि ऋण वापिस करबाक मियाद 6 महीना बढ़ाएल गेल। किसान 30 जून 2011 तक चुका सकताह कर्ज। समय पर फसल ऋण चुकओनिहार किसान कें पूर्व में भेटल आर्थिक सहायता (सब्सिडी) 1 प्रतिशत सं बढाकए 2 प्रतिशत कएल गेल। उर्वरक सेक्टर लेल एक पोषण आधारित सब्सिडी नीति मंजूर । ई नीति एक अप्रेल सं लागू हएत।
  • इंफ्रास्ट्रक्चर लेल 1.73 लाख करोड़ रुपया
  • रोज़ 20 किलोमीटर नैशनल हाईवे बनएबाक लक्ष्य
  • कृषि क्षेत्र में लोन लेल 3 लाख 75 हजार रुपया
  • किरीट पारिख कमिटी केर रिपोर्ट पर फैसला उचित समय पर
  • सोशल सेक्टर में सुधार कें प्राथमिकता
  • खाद्य सुरक्षा बढ़एबा पर ज़ोर

No comments:

Post a Comment