* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday 15 February, 2010

सोशल नेटवर्किंग साइट सं नौकरी

ऑरकुट, फेसबुक आ ट्वीटर सन सोशल नेटवर्किंग साइट केर माध्यम सं बहुराष्ट्रीय कंपनी सभहक एचआर विभाग पेशेवरलोकनिक भर्ती क रहल अछि।
सोशल नेटवर्किंग साइट पर अपने कार्यक्षेत्रके दोसमहीमक संग काम संबंधी गप कएनिहार आ दफ्तर में ओहि सं संबधित चुनौती सं मोकाबला करबाक आइडिया शेयर कएनिहार, लगातार अपन प्रोफेशनल प्रोफाइल कें अपडेट रखनिहार सभ सं कंपनी संपर्क करैत अछि।
बहुराष्ट्रीय कंपनी सभ अपना लेल कार्यकारी अधिकारी स्तर तक कें पद केर वास्ते काबिल लोक सभहक तलाश सोशल नेटवर्किंग वेबसाइटों पर कए रहल छैक। हालांकि कंपनी सभहक एचआर विभाग ई काज चुप्पेचार क रहल अछिे। कंपनी सभहक मान्यता छैक जे एहि बात कें सार्वजनिक भेला सं बेहतर आर काबिल लोकक खोज केर ओकर सभहक उद्देश्य समाप्त भ जेतैक।
ई चलन अमेरिका आर यूरोपीय देश में सेहो रहल छल। अब भारत में भ रहल अछि।

No comments:

Post a Comment