मगध विश्वविद्यालय के उत्तरपुस्तिका में आब बार कोडिंग कएल जाएत। विवि के परीक्षा नियंत्रक सुशील कुमार सिंह के कहब छन्हि जे बार कोडिंग के बाद कॉपी केर नकल संभव नहि रहि जएतैक। ई व्यवस्था कदाचार मुक्त परीक्षा संचालित करए मे बेश मददगार हेतैक,एहन अनुमान छैक। एहि सं,कॉपी के अदला-बदली के आशंका सेहो समाप्त भ जएतैक।
सा विद्या या विमुक्तये
सप्ताह भरिक ख़बरि केर अपडेट मूल लिंक पर भेटत । सम्पर्कः sujhavpeti@gmail.com
Monday 11 October 2010
Monday 4 October 2010
मैट्रिक पूरक परीक्षा 7 सं। तैयारी पूरा
सात अक्टूबर सं होमयवला मैट्रिक पूरक परीक्षा कें तैयारी बिहार विद्यालय परीक्षा समिति पूरा क लेने अछि। यद्यपि एहि बेर परीक्षा लेबा मे बड़ देर भ गेलैक,बिहार बोर्ड कें कहब छैक जे एकर बादो परीक्षा परिणाम समय पर प्रकाशित क देल जएतैक। बोर्ड नकलमुक्त परीक्षा के लेल चाक-चौबंद अछि । छात्रलोकनि कें पुरनके पैटर्न पर परीक्षा कें तैयारी करबाक चाही किएक तं समिति कें अध्यक्ष एके पी यादव कें कहब छन्हि जे परीक्षा में कोनहु तरहक बदलाव नहि कएल गेल छैक। राज्य के हर जिला में एक -एक परीक्षा केंद्र बनाओल जएबाक बात छैक । परञ्च, जाहि जिला मे परीक्षार्थीलोकनिक संख्या बेसी हेतैक,ओहिठाम एकाधिक परीक्षा केंद्र सेहो बनाओल जा सकैछ। ज्ञातव्य जे एहि पूरक परीक्षा मे करीब 80 हजार छात्र शामिल भ रहल छथि। ई संख्या एखनि धरि सर्वाधिक अछि। एहि सं दू टा बात फरिछाइत छैक। एक तं ई जे मैट्रिक परीक्षा में छात्रलोकनिक संख्या बढ़ि रहल छैक आ दोसर ई जे फेल भेनिहारो छात्रक संख्या कम नहि छैक । जे मुख्य परीक्षा में फेल होइत छथि,सएह छात्र पूरक परीक्षा में शामिल होइत छथि।
Friday 3 September 2010
19 अनुमंडल मुख्यालय मे डिग्री कॉलेज
बिहार के 19 अनुमंडल में डिग्री कॉलेज खुजत। मानव संसाधन विकास विभाग एहि लेल आठ करोड़ रुपय्या उपलब्ध करा देने अछि। एहि डिग्री कॉलेज सभहक लेल निजी क्षेत्र के मदद सेहो लेल जएतैक। संगहि,एहि कॉलेज सभ मे बीएड आ आन व्यावसायिक विषय सभ केर पढ़ाई सेहो शुरू हेतैक। मानव संसाधन विकास विभाग आम जनता सं अपील कएने अछि जे जं ओ लोकनि अपन माता-पिता के नाम पर कॉलेज खोलए चाहैत छथि तं राज्य सरकार कें पांच एकड़ जमीन देमय पड़तन्हि। सरकार ओहि जमीन पर अपन पाई सं कॉलेज स्थापित करत।
जमीन कें तलाश करबाक लेल संबंधित जिलाधिकारी लोकनि कें निर्देश द देल गेल छन्हि। डिग्री कॉलेज अनुमंडल मुख्यालय सिमरी बख्तियारपुर, त्रिवेणीगंज, धमदाहा, बयासी, मनिहारी, बेनीपुर, तेघड़ा, बलिया, नीमचक-मथानी, रजौली, राजगीर, जगदीशपुर, पीरो, सीतामढ़ी, पुपरी, बगहा आर महुआ में खुजत। प्रत्येक महाविद्यालय के निर्माण पर आठ-आठ करोड़ रुपय्या कें लागत अएबाक संभावना छैक। ज्ञातव्य जे यूजीसी निर्देश देने छल जे पछुआएल इलाका सभ मे उच्च शिक्षा के विकास लेल डिग्री स्तरीय महाविद्यालय स्थापित कएल जाए। कुल खर्च के 70 फीसदी लागत सेहो यूजीसी वहन क रहल अछि।
जमीन कें तलाश करबाक लेल संबंधित जिलाधिकारी लोकनि कें निर्देश द देल गेल छन्हि। डिग्री कॉलेज अनुमंडल मुख्यालय सिमरी बख्तियारपुर, त्रिवेणीगंज, धमदाहा, बयासी, मनिहारी, बेनीपुर, तेघड़ा, बलिया, नीमचक-मथानी, रजौली, राजगीर, जगदीशपुर, पीरो, सीतामढ़ी, पुपरी, बगहा आर महुआ में खुजत। प्रत्येक महाविद्यालय के निर्माण पर आठ-आठ करोड़ रुपय्या कें लागत अएबाक संभावना छैक। ज्ञातव्य जे यूजीसी निर्देश देने छल जे पछुआएल इलाका सभ मे उच्च शिक्षा के विकास लेल डिग्री स्तरीय महाविद्यालय स्थापित कएल जाए। कुल खर्च के 70 फीसदी लागत सेहो यूजीसी वहन क रहल अछि।
लेबल:
जानकारी
Sunday 22 August 2010
मगध विश्वविद्यालय मे परीक्षा
मगध विश्वविद्यालय में बी.टेक. पार्ट-1,2010(A),बी.टेक. पार्ट-2-2010(A) आ बीएससी इंजीनियरिंग-3-2010(A), के परीक्षा 25.8.2010 सं प्रारम्भ भ रहल अछि। विस्तृत कार्यक्रम लेल अपन-अपन कॉलेज सं सम्पर्क कएल जाए।
मगध यूनिवर्सिटी मे डिस्टेंस एजुकेशन सं बी.एड.
मगध विश्वविद्यालय में 2010-12 सत्र में,दूरस्थ शिक्षा सं बी.एड. करबाक लेल आवेदन करए के तारीख 1 सितम्बर क देल गेल अछि। विश्वविद्यालय एहि सं संबंधित मूल विज्ञापन 22 जुलाई कए प्रकाशित कएने छल। स्नातक अथवा स्नातकोत्तर स्तर पर न्यूनतम 50 प्रतिशत अंकक साथ डिग्री प्राप्त कएनिहार छात्र आवेदन करबाक लेल पात्र छथि। ध्यान रहए,जे दाखिलाक लेल प्रवेश परीक्षा 19 सितम्बर कए निश्चित भेल छैक।
Sunday 15 August 2010
कृष्णा इंस्टीट्यूट में पैरा मेडिकल के चारि टा नव कोर्स
बिहार में पैरा-मेडिकलकर्मी सभहक बड्ड कमी छैक । 50 सालक उम्र के बाद, सभ गोटे के कम सं कम दू बेर पैरा मेडिकलकर्मी सभहक सेवा के जरूरति होइत छैक । इएह देखि कृष्णा इंस्टीट्यूट ऑफ पैरा-मेडिकल एंड डेंटल साइंसेज के अध्यक्ष डॉ. एसके मंडल काल्हि प्रेस कांफ्रेंस में जानकारी देलनि जे पैरा-मेडिकल स्टाफ कें कमी दूर करबाक लेल संस्थान में एहि वर्ष चारि टा पाठ्यक्रम शुरू कएल जा रहल छैक । ई कोर्स छैक डिप्लोमा इन एक्स-रे टेक नीशियन, डिप्लोमा इन मेडिक ल प्रयोगशाला टेक नीशियन, डिप्लोमा इन ऑफ थेलमिक सहायक आर डिप्लोमा इन ऑपरेशन थिएटर सहायक केर । एहि कोर्स सभ मे नाम लिखएबाक उपक्रम 16 अगस्त सं शुरू भ जाएत। 20 फीसदी सीट आधा शुल्क पर गरीब, पिछड़ा आ दलित वर्गक छात्र लेल आरक्षित रहत। संस्थान कें बिहार के स्वास्थ्य विभाग सं मान्यता भेटि गेल छैक।
लेबल:
जानकारी
Tuesday 8 June 2010
Saturday 5 June 2010
इंटर मे टॉप 15 मे 9 लड़की
इंटर साइंस परीक्षा के रिजल्ट निकलि गेल अछि। एक बेर फेर लड़की सभ आगू रहल अछि। पहिल पांच स्थान लड़किए सभहक खाता मे गेलैक। टॉप 15 में 9 टा लड़की। एहि बेरक इंटर साइंस के परीक्षा में 92.51 फीसदी परीक्षार्थी सफल भेल छथि। छात्रालोकनिक सफलता प्रतिशत 93.25 आ छात्र सभहक 92.30 प्रतिशत रहल छैक। पछिला बरख 91.85 फीसदी छात्र सफल रहल छलाह मुदा एहि साल 92.51 फीसदी छात्र सफल रहलाह।
टॉप 10 के सूची पर एक नज़रि
1. श्वेता रंजन - जेडी वुमेन्स कॉलेज,पटना - 425
2. रूबी कुमारी - सेंट कबीर कॉलेज,समस्तीपुर - 424
3. निहारिका - एएनयूएसएस,महाराजगंज - 421
4. सोनम कुमारी- एनयू यादव कॉलेज,मधेपुरा- 419
5. फिरदौस परबीन -टीपी कॉलेज, मधेपुरा-- 418
6. कुणाल प्रताप- एसडीएस कॉलेज,अरवल- 417
7. विवेक रंजन- एमआरजेडीआई कॉलेज, बेगूसराय- 417
8. चंदन कुमार सिंह- सीएमएससी कॉलेज,दरभंगा- 416
9. अभिषेक अग्रवाल- गया कॉलेज- 415
10.राज पराशर- बीडीएसडी कॉलेज, सारण- 414
Wednesday 2 June 2010
भाषा अकादमीःमकान बदलल,तक़दीर नहि
काल्हि ख़बरि छल जे भाषा अकादमी के स्थिति मे आमूल परिवर्तन होमए जा रहल अछि। मुदा आजुक हिंदुस्तान मे प्रकाशित खबरि कहैछ जे नव भवन मे शिफ्ट भेला मात्र सं अकादमीक कल्याण नहि हेतैक किएक तं गतिविधि संबंधी फाइल सभ सरकार दबौने छैकः

Tuesday 1 June 2010
सिपाही भर्ती परीक्षा के रिजल्ट निकलल
केंद्रीय चयन पर्षद 14 अप्रील कए सिपाही भर्ती लेल लिखित परीक्षा लेने छल। ओकर परिणाम आई घोषित भ गेल अछि। सफल उम्मीदवार कें शारीरिक जांच सं गुजरए पड़तनि। देखू सफल प्रत्याशी लोकनिक रोल नम्बरः


(हिंदुस्तान,पटना,1.6.2010)
लेबल:
जानकारी
Saturday 29 May 2010
बिहार में शिक्षक प्रशिक्षण में केंद्रीय मदद
शिक्षा का अधिकार कानून पर अमल करबाक लेल, मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल इंदिरा गांधी राष्ट्रीय मुक्त विश्वविद्यालय (इग्नू) के माध्यम सं बिहार में शिक्षकलोकनि कें प्रशिक्षित करएबा मे मदद के भरोसा देने अछि। एहि संबंध मे सिब्बल सं भेंट कए बिहार के स्कूल शिक्षा मंत्री केंद्र सं आओर धन के मांग कएने छलाह। उत्तरप्रदेश के शिक्षा मंत्री सेहो हुनका सं भेंट कए कहने छलाह जे शिक्षक सभहक भर्ती आ आन संसाधनक वास्ते ओकरो केंद्र सं आओरो मदद चाही। उत्तरप्रदेश के सुझाव छल जे प्राइमरी शिक्षक के लेल इग्नू के दू वर्षीय डिप्लोमा कोर्स मददगार साबित भ सकैत अछि मुदा राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद ओकरा मान्यता नहि दैत छैक। संगहि, कोर्स में बदलाव सेहो जरूरी छैक। बिहारो एही पर जोर देलक। खबर छैक जे सिब्बल जी एहि पर सहमत भेलाह जे उत्तर प्रदेश आ बिहार के शिक्षक प्रशिक्षण लेल इग्नू के पाठ्यक्रम मे बदलाव कएल जाए।
लेबल:
जानकारी
Wednesday 26 May 2010
Subscribe to:
Posts (Atom)









