* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday 25 February, 2010

इग्नू छात्र कें रियायती पास

इग्नू के छात्रक लेल खुशखबरी। इग्नू के फेस-टू-फेस अर्थात् फुलटाइम कार्यक्रम कें छात्र आब रियायती रेल पास के पात्र हएता। एहि तरहें,इग्नू दूरस्थ शिक्षा प्रदान करएवला देशक पहिल संस्थान बनि गेल अछि जकर छात्रक लेल रियायती पास जारी करबाक प्रावधान कएल गेल छैक। मुदा ई सुविधा मात्र फेस-टू-फेस कार्यक्रम केर एक्कीस पाठ्यक्रमक छात्र कें भेटतनि। इग्नू कें वीसी वी.एन. राजशेखरन पिल्लै ई घोषणा करैत कहलनि जे फेस-टू-फेस कार्यक्रमक छात्रक लेल ई सुविधा तत्काल प्रभाव सं लागू भ गेल अछि। श्री पिल्लै आशा व्यक्त कएलनि जे आस्ते-आस्ते ई सुविधा इग्नू केर सभ पाठ्यक्रमक छात्र कें देल जएतैक।
योजनांतर्गत,छात्रलोकनिकें पास मे 50 प्रतिशत केर छूट भेटतनि। विश्वविद्यालय दिल्ली परिवहन निगम केर संग सेहो गप क रहल अछि ताकि इग्नू छात्र कें बसो मे रियायती पास भेट सकए।

No comments:

Post a Comment