* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 16 February, 2010

आईटी क्षेत्र में एक लाख नौकरी

मंदी के बीच पछिला बरख आईटी उद्योग के लेल नीक नहि छल। नव नियुक्ति पर रोक लगा देल गेल। मारिते छंटनी सेहो भेल। वेतन में कटौती भेल से अलग। मुदा आब स्थिति सुधरि रहल छैक। कल्हुका दैनिक जागरण समेत कतेको अखबार में छपल ख़बरि केर मोताबिक,अगिला किछु महीना मे आईटी क्षेत्र मे करीब एक लाख नौकरी भेटबाक संभावना छैक। एकरा आईटी के बुनियादी ढांचा पर खर्च बढ़एलाक आ आउटसोर्सिग बाजार में रौनक लौटबाक नतीजा माल जा रहल छैक। साफ्टवेयर निर्यातक कंपनी टीसीएस अगिला वित्त वर्ष में 30 हजार नव नियुक्ति करबाक घोषणा पहिनहि क चुकल अछि। इन्फोसिस सेहो एहि साल 16 हजार भर्ती करबाक घोषणा कएलक अछि। करीब 12 आनो कंपनी एहि तरहक घोषणा कएने अछि। एहिमें जेनपैक्ट 10 हजार, आईबीएम 5 हजार, इन्फोसिस बीपीओ 2 हजार, एक्सेंचर 8 हजार व एमफेसिस 2 हजार भर्ती करबाक घोषणा शामिल छैक। आईटी कंपनी सभहक घोषणा केर हिसाब सं, अगिला किछु महीना में एहि क्षेत्र में 98 हजार सं बेसी नौकरी भेटत। ग्लोबल आईटी रिसर्च फर्म गार्टनर के अनुमान के मोताबिक, घरेलू आईटी उद्योग एहि बरख 19 सं 20 प्रतिशत बढत। वेबसाइट नौकरीडाटकाम चलओनिहार इन्फोएज के राष्ट्रीय प्रमुख (मार्केटिंग एंड कम्यूनिकेशंस) सुमित सिंह कें अनुसार, अर्थव्यवस्था में सुधारक संगहि आईटी इंफ्रास्ट्रक्चर सं जुड़ल सौदा भारत कें भेंट रहल छैक।

No comments:

Post a Comment