* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 23 February, 2010

यूपी मे अढाई हजार डाक्टरक बहाली जल्दीए

नई दुनिया,दिल्ली संस्करण मे आज प्रकाशित खबरि केर अनुसार,उत्तरप्रदेश में डाक्टर सभहक कमी देखैत,राज्य सरकार अढाई हजार डाक्टर केर नियुक्ति करबाक निश्चय कएलक अछि। इहो निर्णय लेल गेल जे विशेषज्ञ डाक्टर सभ कें आब प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र पर पोस्टिंग नहि कएल जएतनि । प्रदेश कें स्वास्थ्य मंत्री अनंत कुमार मिश्रा प्रांतीय चिकित्सा सेवा संघ (पीएमएस) के ६७म वार्षिक अधिवेशन में ई घोषणा कएलनि । ओ स्वैच्छिक सेवानिवृत्ति लेनिहार डाक्टरलोकनि सं अपील कएलनि जे सेवा संबंधी कोनहु समस्याक लेल सीधे हुनके सं अथवा प्रमुख स्वास्थ्यसचिवसं भेंट कए समस्याक समाधान निकालि सकैत छथि।

No comments:

Post a Comment