* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday 17 December, 2009

Technical Supervisors to be recruited- कालाजार उन्मूलन लेल तकनीकी सुपरवाईजर के नियुक्ति

दैनिक जागरण,पटना केर 07दिसम्बर,2009 के अंक में छपल खबरि के मोताबिक, कालाजार उन्मूलन अभियान में तेजी अनबाक लेल राज्य सरकार 276 कालाजार टेक्निकल सुपरवाइजर (केटीएस) नियुक्त करत। राज्य के 31 जिला एखन कालाजार सं ग्रसित छैक आ ओहि में सं 9 अतिसंवेदनशील मानल जा रहल अछि। स्वास्थ्य विभागक रणनीति छैक जे बहाल होमयबला सुपरवाइजर सबसं कालाजार मरीजों के चिन्हित करबाक आ हुनका सब कें दबाई मिलए,तहि पर लगातार नजरि राखथि। सभ जिला में एक-एक कन्सल्टेंट सेहो बहाल कएल जएता। सुपरवाइजर लोकनि अपन रिपोर्ट नियमित रूप सं एहि कंसल्टेंटलोकनि के देताह। विशेषज्ञों लोकनिक मान्यता छनि जे कालाजार मुख्य रूप सं ओहन ग्रामीण क्षेत्रक बीमारी छैक जतए शहर सं नीक इलाजक सुविधा नहिं छैक। कालाजार मरीजक संख्या पछिला सालक तुलना में एहि बरख अधिया गेल छैक (28 हजार सं घटिकए 14 हजार) मुदा राजेंद्र मेमोरियल रिसर्च इंस्टिच्यूट (आरएमआरआई) के विशेषज्ञ लोकनिक मोताबिक वास्तविक संख्या बहुत अधिक छैक। हुनकर कहब छनि जे चारि सं पांच गुना मामिला के त रिपोर्ट होइते नहिं छैक।

No comments:

Post a Comment