* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 25 December, 2009

प्रखंड में खुलत आवासीय स्कूल

सरकार हर प्रखंड में नवोदय विद्यालय सन आवासीय विद्यालय खोलत। काल्हि उप- मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी विधानपरिषद में कहलनि जे एहि स्कूल में प्रखंड के स्थानीय बच्चे टा के नामांकन हएत। हुनक कहब रहनि जे पूसा के बाद सरकार सबौर में कृषि विवि खोलए जा रहल अछि। पहिल बेर कक्षा तीन सं पांच धरिक लेल 500 रुपये के दर सं पोशाक देबाक व्यवस्था भ रहल छैक। मुख्यमंत्री साइकिल योजना के तहत 5.65 लाख स्कूली बच्चा के साइकिल देल जाएत। अनुसूचित जाति आ जनजाति के छात्र-छात्रालोकनिक लेल छात्रवृत्ति के वास्ते बेसी राशि खर्च करए पड़ि रहल छैक। एही विषय पर हिंदुस्तान में प्रकाशित रिपोर्ट सेहो देखूः

No comments:

Post a Comment