
डीयू में अगिला साल सं सेमेस्टर सिस्टम लागू भेलाक बाद,ग्रैजुएशन डिग्री कोर्स पूरा करबाक लेल सात साल सं बेसी समय नहिं देल जेतैक। यूनिवर्सिटी एकर प्रस्ताव तैयार क लेने अछि। ई नियम ऑनर्स आ पासकोर्स दूनू तरहक ऑनर्स के लेल लागू हएत। तेकर बाद कोनहु परिस्थिति में छात्रलोकनि कें आगू कोनो मौका नहिं देल जेतनि। मौजूदा सिस्टम में ऑनर्स पाठ्यक्रम लेल पांच साल आ पास कोर्सेज के लेल छह साल धरिक समय देल जाइत छैक। यूनिवर्सिटी आब एहि नियम कें बदलए चाहैत छैक। डीयू के वाइस चांसलर प्रोफेसर दीपक पेंटल के कहब छनि जे ग्रैजुएशन पूरा करबाक लेल सात बरखक समय पर्याप्त छैक।
(नभाटा,दिल्ली,21 दिसम्बर,2009 केर अंक में प्रकाशित भूपेंद्र केर रिपोर्ट पर आधारित)
No comments:
Post a Comment