* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 22 December, 2009

प्रोफेसर लोकनिक सेवानिवृति उम्र बढल(?)

दैनिक जागरण में 22 दिसंबर,2009 कए प्रकाशित खबरि में कहल गेल छैक जे विश्र्वविद्यालय शिक्षकलोकनिक सेवानिवृत्ति उम्र बढएबा देया सरकार जल्दिए निर्णय लेत। विधानपरिषद में एहि सं संबंधित बासुदेव सिंह के गैर-सरकारी संकल्प पर बहस में हस्तक्षेप करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे विभागक प्रस्ताव अएला पर फैसला कएल जेतैक। मानव संसाधन मंत्री हरिनारायण सिंह कहलनि जे डेढ़ माह के भीतर प्रस्ताव मंगवाकर एहिपर निर्णय कएल जेतैक। प्रो. अरुण कुमार, केदार पाण्डेय, नरेन्द्र सिंह, विनोद चौधरी, रामकिशोर सिंह, प्रो.नवल किशोर यादव के मोन रहनि जे यूजीसी के अनुशंसा के देखैत, सेवानिवृत्ति उम्र सीमा 65 वर्ष कएल जाए। कुछ सदस्य ध्यान दिअओलनि जे मुख्यमंत्री जूने में सदन में कहने छलथि जे उम्र सीमा में वृद्धि कएल जायत आ कहिया सं तहि पर विधिक राय लेल जायत। विलंब भेला पर शिक्षकलोकनि अदालत गेलथि। अदालत कहलक जे 31 दिसम्बर 08 सं ई व्यवस्था लागू कएल जाए। मानव संसाधन मंत्री हरिनारायण सिंह एही माह यूजीसी सं प्राप्त पत्रक हवाला सं कहलनि जे उम्र सीमा निर्धारण राज्य सरकार के मामला छैक आ एखन एहि पर कोनो विचार नहिं चलि रहल छैक। जे-से ।एहि विषय पर अझुके हिंदुस्तान में छपल खबरि में कहल गेल छैक जे शिक्षक लोकनिक आयुसीमा बढा देल गेल छैक। विश्वसनीयता आओरो स्त्रोत सभ सं जांचि रहल छी।

No comments:

Post a Comment