* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 29 December, 2009

डॉ. मिश्र विश्वविद्यालय सभहक स्थिति पर चिंतित

पूर्व मुख्यमंत्री डा. जगन्नाथ मिश्र राज्य में विश्वविद्यालय अनुदान आयोग के वेतनमान लागू करबाक मांग कएलनि अछि। हुनकर कहब छनि जे उच्च शिक्षा तंत्र में बेसी स्वायत्तता, स्वतंत्रता आ लचीलापन जरुरी छैक। ओ एक विज्ञप्ति जारी कए कहलनि जे राज्य के विश्वविद्यालय आ महाविद्यालय सभ में लगातार गुणात्मक ह्रास भ रहल अछि। 1996 सं लगातार 8 हजार सं बेसी पद रिक्त छैक। कालबद्ध प्रोन्नति और मेधा आधारित प्रोन्नति 1996 सं बंद छैक। ओ एहि ज्ञात तथ्य सं सहमति व्यक्त कएलनि जे प्राचार्यक नियुक्ति में, विश्वविद्यालयों मेधा आ वरीयता के दरकिनार करैत पक्षपात आ अनियमितता बरतने अछि। ओ कहलनि जे महाविद्यालय में शैक्षणिक माहौल चौपट भेल जा रहल छैक आ शिक्षकलोकनि में असंतोष व्याप्त छनि। हुनक विचार रहनि जे उच्च शिक्षा में उत्कृष्टता बहाल करबा लेल कठोर आ प्रभावकारी निर्णय लेबाक आवश्यकता छैक। ओ सलाह देलनि जे कुलाधिपति के उच्च शिक्षा आ उत्कृष्ट शैक्षणिक संस्थान सभहक समीक्षा कए कार्रवाई करबाक चाहिएनि ।
(दैनिक जागरण,मुजफ्फरपुर संस्करण में 27 दिसम्बर,2009 कए प्रकाशित खबरि पर आधारित)

No comments:

Post a Comment