* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 23 December, 2009

अल्पसंख्यक के पीएचडी कराओत सरकार

सरकार अल्पसंख्यक सभहक लेल राष्ट्रीय छात्रवृत्ति योजना शुरू क देने अछि। एहि लेल हुनका सभ के राष्ट्रीय पात्रता या राज्योस्तरीय पात्रता परीक्षा नहिं देमय पड़तनि। मौलाना अबुल कलाम आजाद राष्ट्रीय छात्रवृत्ति नामक एहि योजना लेल चालू वित्त वर्ष में सरकार 15 करोड़ रुपया के प्रावधान कएने अछि। ई योजना विश्वविद्यालय अनुदान आयोग (यूजीसी) के माध्यम सं संचालित हएत आ एम.फिल व पीएचडी करनिहार 756 शोधार्थी के हर साल ई छात्रवृत्ति देल जेतैक। ओहि में सं 30 प्रतिशत छात्रवृत्ति छात्रालोकनिक लेल आरक्षित रहत। मुदा, छात्रालोकनि में पर्याप्त शोधार्थी नहिं भेटला पर हुनकर कोटा के सीट, समुदाय के आन छात्रलोकनि के द देल जेतनि। जं कोनो साल दुनू वर्ग में पर्याप्त शोधार्थी नहिं भेटल त ओकरा अगिला बरखक छात्रवृत्ति में जोड़ि देल जेतैक। सालाना ढाई लाख आय सीमा बला परिवारक अभ्यर्थी छात्रवृत्ति के पात्र हेताह मुदा हुनका मेरिट में सेहो पास होमय पड़तनि। एत्ते सभ त ठीक,मुदा विचारणीय ई छैक जे अल्पसंख्यक वर्ग में एम. फिल आ पीएचडी करबाक ललल कत्तेक बांचल छैक?
(दैनिक जागरण,पटना,23 दिसम्बर,2009 में प्रकाशित रिपोर्ट पर आधारित)

No comments:

Post a Comment