* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Saturday 19 December, 2009

शिक्षक आश्रित के अनुकंपा बहाली पुरनके पैटर्न पर हएत

पटना उच्च न्यायालय एक महत्वपूर्ण फैसला में कहलक अछि जे शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारी लोकनिक आश्रित कें पुरनके पैटर्न पर नियत वेतनमान में अनुकम्पा पर नियुक्त कएल जएतनि। न्यायालय स्पष्ट व्यवस्था देलक जे पहिलुका आ बाद बला सभ के एकहि संग जोड़ब न्यायोचित नहिं । फैसला में कहल गेल जे स्थायी रूप सं नियुक्त शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारी लोकनिक जहि आश्रित कें नियुक्ति अनुकम्पा आधार पर पंचायत आ प्रखंड स्तर पर बतौर शिक्षक कएल गेल छनि तनिको नियुक्ति के तारीख सं नियत वेतनमान देल जाए। मालूम हुअए जे कान्ट्रेक्ट पर नियुक्त शिक्षक के के प्रतिमाह 4 हजार सं 6 हजार रुपया फिक्सड वेतन भेटैत छनि। दोसर दिसि, पहिलुका शिक्षक लोकनिक नियुक्ति स्थायी छनि। ने 2006 में,नबका प्राथमिक शिक्षक नियोजन एवं सेवा शर्त नियमावली बनलाक बाद राज्य सरकार शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारी- सभहक आश्रित लेल एकहि पैमाना अपनओलक। एहि में, शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मचारी के आश्रित सभहक लेल जिला अनुकम्पा समिति में आवेदन करए सं मना क देल गेलैक आ नबका नियमावली (1.7.2006) अएबा सं पूर्व, नियुक्तो शिक्षक के आश्रितलोकनि के नबका नियमावली में शामिल क देल गेल छल। एहि विषय पर, हिंदुस्तान,पटना में 19 दिसम्बर,2009 कए प्रकाशित खबरि सेहो देखूः

No comments:

Post a Comment