* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Saturday 19 December, 2009

वित्तरहित शिक्षा संस्थानःप्रमाण लाउ,अनुदान लिअ

19 दिसम्बर,2009 केर जागरण,पटना में प्रकाशित खबरि के मोताबिक,वित्तरहित शिक्षण संस्थान सभहक लेल सरकार सं अनुदान लेब आब ओत्तेक सहज नहिं रहि जेतनि। 140 दावेदार में सं लगभग 60 संस्थान मानव संसाधन विकास विभागक तकनीकी जाल में फंसि चुकल छथि। वित्तरहित माध्यमिक, उच्च माध्यमिक व डिग्री कालेजक अनुदान दावा के जांच कार्य 17 दिसंबर कए पूरा भ गेल मुदा विश्वविद्यालय सं विषयवार संबंधन के ल कए, विभाग अड़चन लगा देने अछि। डिग्री कालेज सब विभिन्न विषय में प्रथम, द्वितीय आ तृतीय श्रेणी में उत्तीर्ण छात्र-छात्रा सभहक सूची तं विभाग के उपलब्ध करा कए सत्यापन करा लेलक मुदा संबंधित विषय में पढएबाक स्वीकृति विश्वविद्यालय सं हुनका भेटल छलनि अथवा नहिं,तेकर समर्थन में कतेको कालेज कागजात पेश नहीं कए सकल। तें, विभाग एहन कालेज सब के निर्देश देने अछि जे एहि सं संबंधित रेकार्ड विभाग के उपलब्ध कराओल जाए। दावा कएल गेल विषय में संबंधन रहले पर ओ सब पूर्ण अनुदान पएबाक हकदार हेताह। अझुके हिंदुस्तान,पटना में प्रकाशित खबरि सेहो देखूः

No comments:

Post a Comment