* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Saturday 19 December, 2009

लेक्चरर बहाली लेल प्रक्रिया तेज

दैनिक जागरण में 19 दिसम्बर,2009 कए छपल खबरि कहैत अछि जे विभिन्न विश्वविद्यालय सभहक अंगीभूत कालेज में शिक्षकलोकनिक अभाव में पढाई बाधित हेबाक शिकायत के देखैत, राजभवन पद के रैशनलाइजेशन प्रक्रिया तेज क देने अछि। कुलाधिपति महोदय तकरीबन दू माह पूर्व, कुलपतिलोकनि कें विभिन्न संकाय में शिक्षक सभहक पद के रैशनलाइज करबाक निर्देश देने छलाह। ओहि परिप्रेक्ष्य में, विश्वविद्यालय द्वारा सूचना भेजल जा रहल छैक। भागलपुर विश्वविद्यालय के पूर्व कुलपति डा. प्रेमा झा कतिपय कालेज में शिक्षक केर संख्या आवश्यकता सं बेसी हेबाक आ किछु आन में जरूरति सं कम होएबाक सूची राजभवन के पठओने छलीह। ओकरे आधार पर ,तकरीबन एक दर्जन शिक्षक एम्हर सं ओम्हर कएल गेल छलाह। खबरि छैक जे आनो विश्वविद्यालय सं एही तरहक सूची प्राप्त भेल छैक। ओकर जांच चलि रहल छैक आ जल्दीए कोनो निर्णय लेल जाएत। पद के रैशनलाइजेशन के उद्देश्य उपलब्ध मानव संसाधन के बेहतर इस्तेमाल करब छैक। जाधरि शिक्षक सभहक रिक्त पद नहिं भरल जाएत ताधरि कालेज सभहक जहि विषय में आवश्यकता सं बेसी शिक्षक छथि,तनिकर सेवा आन स्थान पर लेल जेतनि। राजभवन को शिकायत भेटल छैक जे एहन मारिते कॉलेज छैक जहि में कतेको विभाग में एकहि टा शिक्षक छथि। 

No comments:

Post a Comment