* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 23 December, 2009

मौलाना मजहरूल हक विश्वविद्यालय के नव रूप देल जाएत

मौलाना मजहरूल हक अरबी-फारसी विश्वविघालय के बहुत जल्दी जमीन उपलब्ध कराओल जाएत। जमीनक तलाश शुरू भ गेल छैक। एहि जगह पर राष्ट्रीय स्तर के संग्रहालय के निर्माण कराओल जाएत। विश्वविद्यालय के स्थापना दिवस समारोह में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे एकरा नालंदा विश्वविघालय जकां विकसित कएल जेतैक। 1992 में स्थापित एहि विश्वविद्यालय में आलिम-फाजिल सहित आनो पाठ्यक्रम में पढनिहारक संख्या ढाई हजार तक भ गेल छैक। शिक्षा मंत्री हरि नारायण सिंह कहलनि जे ई देश के पहिल विश्र्वविद्यालय अछि जतए आलिम- फाजिल के परीक्षा होईत छैक। कुलपति डा. कमर अहसन कहलनि जे विश्र्वविद्यालय के आल इंडिया यूनिवर्सिटी एसोसिएशन सं मान्यता भेट गेल छैक। एही विषय पर हिंदुस्तान में प्रकाशित रिपोर्ट सेहो पढ़ूः

No comments:

Post a Comment