* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday 17 December, 2009

Tender for closed sugar mills:बंद चीनी मिल लेल टेंडर जल्दिए

बंद चीनी मिल सबके निजी क्षेत्र में देबा लेल तेसर टेंडर जल्दीए निकलत। पहिलुका दू बेरक टेंडर में, बंद चारिटा मिल के एचपीसीएल आ तिरहुत इंडस्ट्रीज के देल गेल छल। बिहार राज्य चीनी निगम के अधीन बंद पड़ल 15 चीनी मिल में सं लौरिया आ सुगौली चीनी मिल कें एचपीसीएल आ सकरी तथा रैयाम चीनी मिल तिरहुत इंडस्ट्रीज के देल जा चुकल छैक। मोतीपुर चीनी मिल रिलायंस इंडस्ट्रीज के देल गेल, परन्तु ओहि में एखन काज आरंभ नहिं भेल छैक। दैनिक जागरण,पटना में 11 दिसम्बर,2009 कए प्रकाशित खबरि के मोताबिक,शेष चीनी मिल के लीज पर देबा लेल निविदा निकालबाक वास्ते प्रस्ताव मंत्रिपरिषद लग छैक। लौरिया आ सुगौली चीनी मिल में परूकां सं उत्पादन शुरू हेबाक संभावना अछि। गन्ना किसान के प्रोत्साहित करबा लेल केतारी के दाम लगभग दुगुना तय करबाक पश्चात, आओरो योजना सब जल्दिए शुरू कएल जाएत। गन्ना विकास मंत्री गौतम सिंह के कहब छनि जे गन्ना के लेटेस्ट वेरायटी के बीज उत्पादन लेल 6 क्विंटल प्रति किसान के दर सं आधुनिक बीज केर आपूर्ति कएल जेतैक। बीज क्रय आ परिवहन लेल प्रति कृषक 910 रुपया के हिसाब सं भुगतान हएत। नीक किस्म के बीज विकसित करबा लेल हर किसान के 3 हजार रुपया देल जेतैक। वर्मी-कम्पोस्ट आ बायो फर्टिलाइजर के उपयोग करनिहार किसान के एक हजार रुपया प्रति हेक्टेयर के दर सं प्रोत्साहन राशि देल जेतनि। माटि आ बीज केर उपचार लेल किसान के 500 रुपया प्रति हेक्टेयर के हिसाब सं देल जेतैक।

No comments:

Post a Comment