* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 1 December, 2009

शैक्षिक माहौल सुधारबाक प्रयास

दैनिक जागरण केर पटना संस्करण में 28 नवम्बर,2009 कए छपल खबरिक मोताबिक,विश्वविद्यालय में शैक्षणिक माहौल आ शिक्षा केर गुणवत्ता कायम करबा लेल मानव संसाधन विकास विभाग के सचिव के.के.पाठक अपनी मुहिम में लागल छथि। शुक्रवार कए, हुनक निर्देश पर दू दिसंबर कए नओटा विश्वविद्यालय केर परीक्षा नियंत्रक लोकनि कें मुख्यालय बजाओल गेल। हुनका हिदायत देल गेलनि जे ओ अपन-अपन विश्वविद्यालय केर शैक्षणिक कैलेंडर ल कए आबथि ताकि ओकर समीक्षा कएल जा सकए। उच्च शिक्षा विभाग के विभिन्न विश्वविद्यालय सं छनिकए जे सूचना आबि रहल छैक,तकर मोताबिक, अधिकांश विश्वविद्यालयों में शैक्षणिक सत्र बड्ड विलंब सं चलि रहल छैक। पाठयक्रम समय पर पूरा नहिं भेलाक कारणें समय पर परीक्षा नहिं भ पबैत छैक। एहि सं,रिजल्ट केर घोषणा में सेहो बड्ड विलंब भ जाइत छैक आ छात्रलोकनिक साल खराब भ जाइत छैक। समय पर रिजल्ट नहिं निकलला सं, नीक संस्थान में एडमिशन लेब मोसकिल भ जाइत छैक। 25 नवंबर कए, कुलसचिवो सभहक बैठक में एहि तथ्य के रेखांकित कएल गेल। सचिव महोदय परीक्षा नियंत्रक लोकनि कें निर्देश देलनि जे पटना विश्वविद्यालय के शैक्षणिक कैलेंडर के आदर्श मानति ओही अनुरुप अप्रैल-मई में परीक्षा लेबाक कैलेंडर तैयार करथि आ अगिला बैठक में ओकरा अनिवार्य रूप सं प्रस्तुत कएल जाए।

No comments:

Post a Comment