* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 5 March, 2010

दिल्ली तकनीकी विश्वविद्यालय मे प्लेसमेंट

दिल्ली तकनीकी विश्वविद्यालय में एहि बेर प्लेसमेंट बड्ड नीक रहल छैक। २००९-१० सत्र में आयोजित प्लेसमेंट में सभसं बेसी ११ लाख रूपय्या केर ऑफर भेटल। प्लेसमेंट में करीब १०० संस्था केर भागीदारी रहल। एखन धरि ४६० छात्र कें ५१६ ऑफर भेटि चुकल छन्हि। औसत ऑफर ५.५ लाख रूपय्या केर छल। पछिला बरख ई औसत ५ लाख रूपय्या छल। सभसं बेसी ६० छात्र कें एरिसेंट मे भेलैक। एहि बरख साफ्टवेयर, कंसल्टेंसी, आईटी, फाइनेंस, सर्विसेज, टेलिकॉम आर केपीओ सं जुड़ल कंपनी प्लेसमेंट लेल आयल छल।

No comments:

Post a Comment