* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 17 March, 2010

दसमी के अंग्रेजी पोथी बदलत

 आब दसमी कें छात्र सभ अपन अंग्रेजी किताब में बदलाव देया सुझाव द सकताह। केंद्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड (सीबीएसई) दसमी कें अंग्रेजी पाठ्यपुस्तक में बदलाव करबाक योजना बना रहल अछि। ई बदलाव छात्र आर शिक्षकलोकनिक प्रतिक्रिया केर आधार पर कएल जाएत।
सीबीएसई बदलाव करए सं पूर्व, छात्र आर शिक्षक सभ सं पुस्तक देया जानकारी जुटा रहल अछि। एहि लेल एक फीडबैक फार्म सेहो तैयार कएल गेल छैक। सीबीएसई केर कहब छैक जे पोथी तखने नीक भ सकैछ जखन एहिमे पढ़एवलाक संग पढ़बएवलाक विचार लेल जाए।
एहि लेल सीबीएसई सभ स्कूल कें प्राचार्य कें सूचित क देने अछि। फार्म सीबीएसई वेबसाइट सं सेहो लेल जा सकैछ। बोर्ड शिक्षकलोकनिक माध्यम सं इहो जानए चाहैत अछि कि ओ सभ अंग्रेजी में देल गेल टॉपिक सं संतुष्ट छथि वा नहि, की कोनो पाठ एहिसं हटाएल जएबाक चाही आ एहि मे कोन टॉपिक जोड़ल जएबाक चाही,भाषा सरल आर सहज अछि कि नहि, पुस्तक मे आओरो कोनो क्रियाकलाप जोड़ल जएबाक चाही कि नहि आदि-आदि।
तहिना,पोथी पर छात्र सं ई पूछल जा रहल छैक जे पुस्तक कें भाषा,जानकारी,गतिविधयां,टॉपिक ठीक छैक वा नहि। छात्र सभ सं सीसीई सं संबंधित जानकारी सेहो लेल जा रहल छैक।

No comments:

Post a Comment