* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 2 March, 2010

ज्ञान मंच शुरू

सूचना प्रौद्योगिकी क्षेत्रक सभसं पुरान निकाय कंप्यूटर सोसाइटी ऑफ इंडिया (सीएसआई) केर मुंबई शाखा नॉलेज फोरम केर शुरुआत कएलक अछि। नॉलेज फोरम पेशेवर विकास आर सामाजिक संपर्क कें क्षेत्र मे लोक सभहक समस्या केर समाधान करत। सीएसआई के अध्यक्ष एस महालिंगम कहलनि जे ई संस्था पेशेवर सभहक सतत विकास लेल ज्ञान केर एक पारिस्थितिकी तंत्र विकसित करत। ओ कहलनि जे ज्ञान केर एहि अर्थव्यवस्था मे, सफलताक वास्तविक फार्मूला लगातार सीखए पर निर्भर करैत छैक। ज्ञातव्य जे सीएसआई भारत में कंप्यूटर पेशेवरलोकनिक सभसं पैघ निकाय अछि। देश में एकर लगभग ५०,००० सदस्य छैक। हाल के एक शोध में कहल गेल छल जे भारत में हर चारि मे सं केवल एक इंजीनियरिंग स्नातक रोजगार के योग्य छैक।
(नई दुनिया,दिल्ली,1.3.10 मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)

No comments:

Post a Comment