* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 3 March, 2010

डीयू मे एक आओर नर्सिंग कॉलेज

दिल्ली विश्वविद्यालय में आब एक आओर नर्सिंग कॉलेज शामिल हएत। होली फैमिली नर्सिंग स्कूल कें विश्वविद्यालय केर अंग बनएबाक तैयारी चलि रहल अछि। एकर शामिल भेलाक बाद,दिल्ली विश्वविद्यालय मे नर्सिंग कॉलेजों केर कुल संख्या चारि भ जाएत।

किछु समय पूर्व, न्यू फ्रेंडस कॉलोनी स्थित होली फैमिली नर्सिंग स्कूल, कॉलेज के रूप में सम्बद्धता के लेल आवेदन देने छल। एकर बाद साइंस फैकल्टी मे एक कमेटी बना देल गेलैक जे उपलब्ध सुविधा सभ केर निरीक्षण कएलक। कमेटी स्कूल केर आंतरिक संसाधन सं संतुष्ट भेल। उल्लेखनीय जे एखन धरि दिल्ली विश्वविद्यालय मे तीनटा नर्सिंग कॉलेज-लेडी हार्डिंग, राजकुमारी अमृतकौर कॉलेज ऑफ नर्सिंग आर यूसीएमएस छैक। होली फैमिली के एहि मे जुड़लाक पछाति, एकर नाम होली फैमिली नर्सिंग कॉलेज भ जाएत।

No comments:

Post a Comment