* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday 15 March, 2010

संयुक्त प्रवेश परीक्षा वास्ते वीसी कमेटी गठित

देशभरिक विश्वविद्यालय में व्यवसायिक पाठ्यक्रमों में प्रवेशक लेल संयुक्त प्रवेश परीक्षा केर संभावना तलाश करबाक वास्ते,सरकार शनिकए सात वाइस चांसलर सभहक एक समिति केर गठन क देलक। समिति विश्वविद्यालय सभहक आधारभूत ढांचां केर सही उपयोग करए लेल उपाय संबंधी सुझाव सेहो देत। समिति एक विश्वविद्यालय सं दोसर विश्वविद्यालय मे छात्रक स्थानांतरण संबंधी संस्तुति करत। समिति केर विचारार्थ विषय मे,मेडिकल आर इंजीनियरिंग सन पाठ्यक्रमक लेल संयुक्त प्रवेश परीक्षा आयोजन संबंधी अनुशंसा करत।
केंद्र सरकार सभ विश्वविद्यालयक लेल एक राष्ट्रीय मान्यता प्राधिकरण केर गठन शीघ्र करत। सिब्बल कहलनि जे आब देश मे आओर बेसी मान्यता प्राप्त विश्वविद्यालय नहि हएत। मंत्रिसमूह राष्ट्रीय मान्यता प्राधिकरण लेल विधेयक केर प्रारूप कें मंजूरी द देने अछि। एकरा मंजूरी द्वारेशीघ्र मंत्रिमंडल के सामने राखल जाएत

No comments:

Post a Comment