* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday 18 March, 2010

सीबीएसई

केंद्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड (सीबीएसई) अगिला शैक्षिक सत्र सं इंटरनेशनल बोर्ड बनि जाएत। दरअसल अगिला सत्र सं सीबीएसई अंतरराष्ट्रीय छात्रक सभहक लेल एक नव पाठ्यक्रम शामिल करए जा रहल अछि। एकर बाद,आन देशक स्कूल मे एहि पाठ्यक्रम कें पढ़एबाक मान्यता सेहो देत। 

 
दैनिक नई दुनिया अपन सूत्रक हवाले सं लिखैत छथि कि जेना एखन इतिहास में भारतीय इतिहास बताओल जाइत छैक तहिना नव सिलेबस मे विश्व इतिहासक बात कएल जेतैक। नबका सिलेबस अंतरराष्ट्रीय स्तर कें हएत आ ओहि मे अँतरराष्ट्रीय पहलू कें जोड़ल जाएत। अगिले सत्र सं नव सिलेबस कक्षा एक आर नओ सं शुरू कएल जाएत जकर बाद ई प्रत्येक वर्ष हर कक्षा में शुरू हएत । नव सिलेबस में क्रियाकलाप पर बेसी जोर देल जेतैक।



No comments:

Post a Comment