* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 9 March, 2010

"किदन कहै छै"(8) केर परिणाम

साप्ताहिक स्तंभ "किदन कहै छै"श्रृंखला केर आठम प्रश्न छलः
"फूल ने पान फल्लां चललाह ब्रह्मक थान" केर माने की?
विकल्प छलः
1. फूल-पान आदि बिनु पूजा निरर्थक होइछ
2. पूजा नियमानुसारे करबाक चाही
3. किछु पएबाक लेल किछु गमाएब जरूरी होइत छैक
4. मंगनी मे पुण्य कमएबाक इच्छा रखनिहार

सभ प्रतिभागी लोकनिक उत्तर छलः किछु पएबाक लेल किछु गमाएब जरूरी होइत छैक जे वस्तुतः देल गेल कहबीक व्याख्या छैक,मूलार्थ नहि। सही उत्तर अछिः मंगनी मे पुण्य कमएबाक इच्छा रखनिहार
पुनः नव कहबी प्रस्तुत अछि। वोट करू,प्रयोग करू।

No comments:

Post a Comment