* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 16 March, 2010

24 कृषि संस्थान केंद्रीय विश्वविद्यालय कें मातहत

राज्य में केन्द्रीय कृषि विश्वविद्यालय खुजि गेलाक स्थिति मे 24 कृषि संस्थान ओकर अंतर्गत आबि जाएत। कृषि विभाग एहन सभ संस्थानक सूची जारी क देने अछि। तकर बाद,राज्य सरकार कें विश्र्वविद्यालयक अधीन मात्र 31टा कृषि संस्थान रहि जाएत। कृषि विभाग द्वारा जारी सूची कें मुताबिक, एहि मे फैकल्टी आफ एग्रीकल्चर (पूसा), तिरहुत कालेज आफ एग्रीकल्चर (ढोली), कालेज आफ होम साइंस (पूसा), कालेज आफ फिशरीज (ढोली), कालेज आफ बेसिक साइंस एंड ह्यूमनिटीज (पूसा), सुगरकेन रिसर्च इंस्टीच्यूट (पूसा), एनिमल प्रोडक्शन रिसर्च इंस्टीच्यूट (पूसा), रीजनल रिसर्च सबसेंटर (माधोपुर), बनाना रिसर्च स्टेशन (हाजीपुर), हार्टिकल्चर रिसर्च स्टेशन (बिरौली), डीप वाटर राइस रिसर्च स्टेशन (बिरौल), राइस रिसर्च स्टेशन (झंझारपुर) और खुदावंदपुर, सरैया, जाले, हरिहारपुर, भगवानपुर हाट, माधोपुर, बिरौली, सारण, गोपालगंज, पिपराकोठी आ शिवहर स्थित कृषि विज्ञान केन्द्र शामिल छैक। बिहार कृषि महाविद्यालय (सबौर), मंडन भारती कृषि महाविद्यालय (अगवानपुर), बिहार पशु चिकित्सा महाविद्यालय (पटना), उद्यान कृषि महाविद्यालय (नूरसराय), क्षेत्रीय अनुसंधान केन्द्र (अगवानपुर)आदि राज्यक विश्वविद्यालय कें अधीन रहत।

No comments:

Post a Comment