* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 17 March, 2010

केंद्रीय विद्यालय मे सांसद आ मंत्री कें कोटा खत्म करबाक तैयारी

केंद्रीय विद्यालय मे प्रवेश लेल सांसद आ मंत्री सभहक कोटा खत्म करबाक तैयारी भ रहल अछि। एखन धरि मंत्री आर सांसद सभ केंद्रीय विद्यालय में दाखिला लेल सिफारिश करैत छलाह। मुदा केंद्रीय विद्यालय संगठन केर गवर्निंग बॉडी कें बैठक में ई निर्णय लेल गेल छैक जे आब ई परिपाटी खत्म कएल जाए। बैठक में स्वयं मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बलबतौर अध्यक्ष उपस्थित छलाह।
ज्ञातव्य जे एहि कोटा व्यवस्थाक अनुसार,मानव संसाधन विकास मंत्री 1200 बच्चा कें आर प्रत्येक सांसद दू-दू टा बच्चा कें अपन कोटा सं एडमिशन दिया सकैत छथि। कोटा के तहत, लोकसभा सांसद अपन क्षेत्रक दू टा बच्चा कें आर राज्यसभा सांसद जाहि राज्यक प्रतिनिधित्व करैत छथि ओहि ठामक दू बच्चा कें प्रवेश दिया सकैत छथि। देशभरिक 981 केंद्रीय विद्यालय में कुल 10 लाख सीटें छैक।

No comments:

Post a Comment