* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday 15 March, 2010

वर्ग पहेली-3

बामा सं दहिनाः
1. जितिया पाबनि केर उपासक शुरुआत मरुआ रोटी संग कथी खएलाक बाद प्रारंभ होइत छैक?
3. विवाह समय में शामिल कन्या के गामक लोक।
6. ओना तं आब ई मिष्टान्न दोकानो पर खूब भेटैत छैक मुदा पारंपरिक रूपें हमसभ ई फेरीवला सं कीनैत रहल छी।
7. सए टकिया के आओर की कहल जाइत छैक?
11. वेदांग कएक प्रकारक छैक?
12. दादा।
14. चालीस किलो।
16. गांधार शैली में बनल भगवान विष्णु केर मूर्ति रखबार गाम में छैक। ई गाम कोन अनुमंडल में अबैछ?
18. कात्यायनी देवी सिद्धपीठ जएबाक लेल खगड़िया जिलाक कोन स्टेशन उतरब?
19. प्रख्यात मैथिली लेखक सुरेंद्र झा केर उपनाम की छलन्हि?

ऊपर सं नीचाः
2. आश्चर्य।
3. वास्तव में।
4. तरकारी।
5. कटहर में कोआ कोन चीजक बीच रहैत छैक?
8. माछक स्पर्श वला बर्तन।
9. गोसाउनि गीत में,भगवतीक कोन अस्त्र कें हन-हन करैत बताओल गेल छैक?
10. कोन नदीक नाम में बलान शब्द जुड़ल छैक?
12. मिठका पान में की पड़ला सं शीतलताक अनुभव होइत छैक?
13. सूर्य कें कोन राशि में प्रवेश कएला पर संक्रांति होइत छैक?
15. मैथिलीक पहिल प्रदर्शित फिल्म।
17. पार्वती कें हम सभ अहू नाम सं जनैत छी।
(प्रश्न भाग मिथिला दर्शन,मार्च-अप्रैल,2010 अंक सं आंशिक आशोधन सहित साभार)

No comments:

Post a Comment