* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 30 March, 2010

दिल्ली मे प्रतिभा विकास विद्यालय मे नामांकन शुरू

राजधानी में सभ राजकीय प्रतिभा विकास विद्यालय मे एडमिशन शुरू भ गेल अछि। दाखिला ७ अप्रैल तक चलत। नौवीं कक्षा में दाखिला, सीटें उपलब्ध भेलहि पर हएत। पंजीकरण ओही प्रतिभा विकास में संभव हएत जाहि ठाम सं फार्म कीनने हएब। पास भेल कक्षा केर प्रमाणपत्र आ मार्कशीट पंजीकरण के समय देमय पड़त। ई दुनू प्रमाणपत्र प्राचार्य या हेडमास्टर सं सत्यापित हेबाक चाही। सभ पंजीकृत छात्र कें प्रवेश परीक्षा देमय पड़तनि । ई परीक्षा सभ राजकीय प्रतिभा विकास विद्यालय में एकहि दिन लेल जाएत। चयन के आधार मेरिट रहत। दाखिला फार्म ७ अप्रैल तक जमा क सकैत छी। प्रवेश परीक्षा ९ अप्रैल कए भोरे १० सं १२ बजे धरि हएत। परिणाम १४ अप्रैल कए घोषित हएत। ज्ञातव्य जे नव सत्र १७ अप्रैल सं शुरू भ रहल अछि।

No comments:

Post a Comment