* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday 29 March, 2010

किदन कहै छै(11) केर परिणाम

"किदन कहै छै" श्रृंखला केर एगारहम प्रश्न छलः
घर जरनि तं घूर मिझाबथि केर की अभिप्राय?
विकल्प छलः
1.पैघ क्षति कें उपेक्षा कए आन प्रकारक प्रयत्न कएनिहार
2.आगिक माध्यम कें समाप्त कएला सं अगिलगीक संभावना समाप्त भ जाइछ
3.इंतजाम पहिनहि सं राखक चाही। ऐन वक्त पर कएल प्रयास कें पूर्ण फल नहि भेटैछ
4.ओकाद नहि रहितो आडम्बर कएनिहार पर व्यंग्य
वोट कएनिहारलोकनि पैघ क्षति कें उपेक्षा कए आन प्रकारक प्रयत्न कएनिहार विकल्प चुनलनि आ इएह सही उत्तर थिक। बधाई। पुनः नव कहबी प्रस्तुत अछि। वोट करू,प्रयोग करू आ प्रयोग सुझाउ।

No comments:

Post a Comment