* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 2 March, 2010

"किदन कहै छै"(7) केर परिणाम

कहबी आधारित साप्ताहिक स्तम्भ" किदन कहै छै "श्रृंखला केर सातम प्रश्न छलः
"अनकर धन पर विक्रम राजा केर की अभिप्राय?"
विकल्प छलः

1.विक्रम नामक व्यक्ति आनक धनक बूतें राजा बनल छल

2.आनक धनक बलें मौज उड़ओनिहार व्यक्ति पर व्यंग्य

3.अपन धन हुअए,तखनहि मौज-मस्ती उचित

4.राजा कें मोन रखबाक चाही जे धन वस्तुतः प्रजा कें होइत छैक

चालीस प्रतिशत मतदाता आनक धनक बलें मौज उड़ओनिहार व्यक्ति पर व्यंग्य विकल्प चुनलनि जे सही उत्तर अछि। साठि प्रतिशत मतदाता अपन धन हुअए,तखनहि मौज-मस्ती उचित विकल्पक पक्ष मे छलाह जे गलत अछि किएक तं ई विकल्प देल गेल कहबीक अर्थ नहि,अपितु निष्कर्ष छैक।

पुनः नव कहबी प्रस्तुत करैत आग्रह जे एहि मे वोट करू आ दैनिक प्रयोग मे सेहो लाउ।

No comments:

Post a Comment