* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 10 March, 2010

वर्ग पहेली-1 केर उत्तर



बामां सं दहिना दिसिः
3. गुटबाजी के लेल प्रचलित शब्द।
5. गरमी। ताप।
7. मैथिल व्यंग्य-सम्राट।
8. एकदम कारी।
10. क्रोध।
13. हिनका मैथिली साहित्य में सबसं बेसी विधा में स्तरीय लेखन कएनिहार मानल जाईत छनि।
15. जे डांट-फटकार आ मारि खेलहुं पर अपन कुचालि नहिं छोड़ए।
16. ई फूल गर्मी में फुलाईत छैक आ ओना तं उज्जर,लाल आ गुलाबी रंगक सेहो होईत छैक, मुदा पीयर रंगक बेसी भेटैत छैक। मानल जाइछ जे सांप एकर गाछ सं दूरे रहैत अछि।
17. देवनागरी लिपि आधारित शब्दकोष में,अंतिम अक्षर कोन होइत छैक: ह,क्ष,त्र अथवा ज्ञ?

ऊपर सं नीचा दिसिः
1. मिथिला विषयक प्रसिद्ध उक्तिक पहिल पंक्ति पूरा करूः "पग-पग - - - माछ मखान"
2. नवान्न कोन मासक शुक्लपक्ष में होइत छैक ?
3. हास्य बोधक दृष्टिएं एहि मैथिलक तुलना तेनालीराम आ बीरबल सं कएल जा सकैत छैक।
4. रन्हबाक लेल निकालल गेल अन्न।
6. कोनो समारोह में शामिल होयबालेल आग्रह जाहि में भोजनक प्रतिएं अनुरोध शामिल नहिं होईत छैक।
7. भाद्र शुक्ल तृतीया में होयबला व्रत जहि में निर्जल उपास केर नियम छैक।
9. सौरभयुक्त। अत्यंत सुवासित।
11. पटना सं प्रकाशित मैथिलीक चर्चित पत्रिका।
12. भगवती लक्ष्मी एही पर बैसैत छथि आ हुनकर हाथो में इएह छनि।
14. मिथिलाक संभवतः एकमात्र बांचल समुदाय जकर पेशा मनोरंजन-प्रदर्शन छल। मूलतः क्षत्रियक वंशज मुदा आब मुसलमानक एकटा जाति जे खासकए पुत्रजन्म पर अपन कला प्रदर्शन सं आजीविका प्राप्त करैत छल ।
15. देखब। ताकब। खोजब।

No comments:

Post a Comment