
राजस्थान पत्रिका में प्रकाशित खबरि के मोताबिक,गृह रक्षा वाहिनी के महानिदेशक नीलमणि सेहो होमगार्डक संख्या में कमी केर बात स्वीकार कएलनि अछि। ओ कहलनि जे होमगार्ड्स के संख्या बढ़ाकए 84,975 करबाक प्रस्ताव छैक। नीलमणि जी कें कहब छनि जे अंतर्राष्ट्रीय सीमा सं जुड़ल प्रखंड में 145 होमगार्ड्स केर आवश्यकता छैक। राज्य में 30 हजार होमगार्डक बहाली केर कवायद चलि रहल छैक। 10,992 होमगार्डक बहाली प्रस्ताव सरकार कें भेजल जा चुकल छैक। प्रस्ताव में,पहिल बेर, महिला होमगार्ड्स कें शामिल करबाक योजना प्रस्तुत कएल गेल छैक। नीलमणि जी कें अनुसार, महिला सभहक लेल 10 प्रतिशत सीट सेहो आरक्षित करबाक प्रस्ताव छैक।
No comments:
Post a Comment