* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday, 31 December 2009

SSC:संयुक्त स्नातक स्तरीय परीक्षा,2008 के सफल अभ्यर्थीलोकनि कें नियुक्ति मार्च तक

सहायक,इनकम टैक्स,सेंट्रल एक्साइज आ सीबीआई इंस्पैक्टर के रिक्त पद पर बहाली हएत
फरवरी के अंत तक नियुक्ति पत्र भेटबाक संभावना


(हिंदुस्तान,पटना,31 दिसम्बर,2009)

रैशनलाइजेशन जल्दी पूरा करबाक निर्देशःहिंदुस्तान। रैशनलाईजेशन रिपोर्ट सौंपल गेलः नई दुनिया

अझुका हिंदुस्तान में प्रकाशित खबरि में कहल गेल छैक जे राजभवन विश्वविद्यालय सभ के रैशनलाइजेशन प्रक्रिया शीघ्र पूरा करबाक निर्देश देने छैक।मुदा,अझुके नई दुनिया,दिल्ली संस्करण में प्रकाशित खबरि के मोताबिक,काल्हि सभ विश्वविद्यालय रैशनलाईजेशन रिपोर्ट मानव संसाधन विभाग के सौंप देलक। दुनू खबरि पढ़ूः-


(हिंदुस्तान,पटना,31 दिसम्बर,2009)


(नई दुनिया,दिल्ली,31 दिसम्बर,2009)

विश्वविद्यालयकर्मी के नहिं भेटल छनि छठम वेतनमान


(हिंदुस्तान,पटना,31 दिसम्बर,2009)

वेतन समिति रिपोर्ट सं केओ खुश नहिं। 7 कए हएत प्रतिवाद रैली


बिजली अभियंतालोकनिक मांगः ग्रेड-पे बढाऊ
इंजीनियरो छथि तमसाएल
पशु चिकित्सक के चाहिएनि डायनेमिक एसीपी
(हिंदुस्तान,पटना,31 दिसम्बर,2009)

Wednesday, 30 December 2009

सिविल सेवा परीक्षा पुरनके पैटर्न पर । पीटी के अधिसूचना एही सप्ताह।


(हिंदुस्तान,31 दिसम्बर,2009)


(हिंदुस्तान,पटना,30 दिसंबर,2009)

मगध विश्वविद्यालय में पंजीयन 15 जनवरी तक


(हिंदुस्तान,पटना,30 दिसंबर,2009)

मदरसा शिक्षा बोर्डःरद्द परीक्षा 6 सं 11 फरवरी तक


(हिंदुस्तान,पटना,30 दिसंबर,2009)

प्राइमरी में ड्रेस देल जाएत

तेसर सं छठम कक्षा धरिक छात्र कें पोशाक देल जेतनि
प्रत्येक छात्र कें साल में 5सए टका


(हिंदुस्तान,पटना,30 दिसंबर,2009)

वेतन कमेटी के सिफारिश मंजूर

पांच किस्त में भेटतिन एरियर
कतेको सेवा के ग्रेड-पे आ भत्ता में सुधार
कर्मचारी लोकनि कें 3 एसीपी भेटतनि
अगिला 6 बरख धरि रिटायर भेनिहार के एकमुशत भुगतान
ऑल इंडिया एलटीसी दू बेर देल जएतनि
डॉक्टर आ इंजीनियर असंतुष्ट



(हिंदुस्तान,पटना,30 दिसंबर,2009)


(साभारःदैनिक जागरण,मुजफ्फरपुर संस्करण,30 दिसम्बर,2009)

शिक्षकलोकनि 65 में हेताह रिटायर। प्रोफेसरो सभ सं 70 बरख धरि सेवा लेबाक प्रस्ताव


(हिंदुस्तान,पटना,30 दिसम्बर,2009)

Tuesday, 29 December 2009

नालंदा विश्वविद्यालय लेल केंद्र आनत विधेयक


(नई दुनिया,दिल्ली,28 दिसंबर,2009)

शिक्षा के अधिकारे टा सं नहिं सुनिश्चित हएत गुणवत्ता


(नई दुनिया,दिल्ली,29 दिसंबर,2009 केर संपादकीय)

नजमु जमां के राष्ट्रीय गौरव पुरस्कार


(हिंदुस्तान,पटना,29 दिसम्बर,2009)

मगध विश्वविद्यालयःएलएलबी तेसर आ पांचम बरखक परीक्षा स्थगित


(हिंदुस्तान,पटना,29 दिसम्बर,2009)

आब बिहारो में केंद्रीय विश्वविद्यालय जकां हएत शिक्षक नियुक्ति


(हिंदुस्तान,पटना,29 दिसम्बर,2009)

सीबीएसई परीक्षा 3 मार्च सं


(हिंदुस्तान,पटना,29 दिसम्बर,2009)

डॉ. मिश्र विश्वविद्यालय सभहक स्थिति पर चिंतित

पूर्व मुख्यमंत्री डा. जगन्नाथ मिश्र राज्य में विश्वविद्यालय अनुदान आयोग के वेतनमान लागू करबाक मांग कएलनि अछि। हुनकर कहब छनि जे उच्च शिक्षा तंत्र में बेसी स्वायत्तता, स्वतंत्रता आ लचीलापन जरुरी छैक। ओ एक विज्ञप्ति जारी कए कहलनि जे राज्य के विश्वविद्यालय आ महाविद्यालय सभ में लगातार गुणात्मक ह्रास भ रहल अछि। 1996 सं लगातार 8 हजार सं बेसी पद रिक्त छैक। कालबद्ध प्रोन्नति और मेधा आधारित प्रोन्नति 1996 सं बंद छैक। ओ एहि ज्ञात तथ्य सं सहमति व्यक्त कएलनि जे प्राचार्यक नियुक्ति में, विश्वविद्यालयों मेधा आ वरीयता के दरकिनार करैत पक्षपात आ अनियमितता बरतने अछि। ओ कहलनि जे महाविद्यालय में शैक्षणिक माहौल चौपट भेल जा रहल छैक आ शिक्षकलोकनि में असंतोष व्याप्त छनि। हुनक विचार रहनि जे उच्च शिक्षा में उत्कृष्टता बहाल करबा लेल कठोर आ प्रभावकारी निर्णय लेबाक आवश्यकता छैक। ओ सलाह देलनि जे कुलाधिपति के उच्च शिक्षा आ उत्कृष्ट शैक्षणिक संस्थान सभहक समीक्षा कए कार्रवाई करबाक चाहिएनि ।
(दैनिक जागरण,मुजफ्फरपुर संस्करण में 27 दिसम्बर,2009 कए प्रकाशित खबरि पर आधारित)

Monday, 28 December 2009

रैशनलाइजेशन के बादे विश्वविद्यालय में भर्ती हएत

विधानसभा चुनावक बादे बहाली होयबाक संभावना
1997 के बाद सं नहिं भेल छैक शिक्षक केर बहाली
राज्य में शिक्षक कें लगभग 16 हजार पद खाली छैक


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,28 दिसंबर,2009)

प्रोफेसर के कारोबारःडिग्री ल क करता कपार

कतेको बेर,लोक ई नहिं निश्चय क पबैत अछि जे कोन दिसि आगू बढ़ू। एही तरहक एक प्रोफेसरक मामला प्रकाश में आयल छैक जनिका लग एम.ए.,डी.लिट. आ पीएचडी डिग्री के भरमार छनि। एतेक समय जं ओ अपन अध्यापन के विषय में लगओने रहितथि त कोनो असाधारण काज हेबाक संभावना छलैक। अहूं पढू ई रिपोर्ट-


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,28 दिसंबर,2009)

नेट परीक्षाःरूसी भाषा के प्रश्नपत्र में गलती


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,28 दिसंबर,2009)

ट्रेंड प्राइमरी टीचर के नियोजन प्रक्रिया शुरू


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,28 दिसंबर,2009)

वेतन विसंगति के विरुद्ध एकजुट भ रहल छथि राज्यकर्मी


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,28 दिसंबर,2009)

वित्तरहित स्कूल-कॉलेज के अनुदान 15 जनवरी तक


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,28 दिसंबर,2009)

विश्वविद्यालयकर्मी लेल कैट सन संस्था बनत

कल्हुका दैनिक जागरण केर मुजफ्फरपुर संस्करण में प्रकाशित खबरि के अनुसार,विश्वविद्यालय के शिक्षक आ शिक्षकेतर कर्मीलोकनि कें आब बकाया वेतन, पूर्ण वेतन, पेंशनादि लाभ अथवा प्रोन्नति लेल हाईकोर्ट नहिं जाए पड़तैन। राज्य सरकार नव वर्ष में हुनका सभहक लेल केन्द्रीय प्रशासनिक न्यायाधिकरण (कैट) के तर्ज पर अलग न्यायाधिकरण के स्थापना करए जा रहल अछि। वित्त विभागक तमाम आपत्ति के दरकिनार करैत, मानव संसाधन विकास विभाग अपन प्रस्ताव कैबिनेट के मंजूरी लेल भेज देने अछि। जं सब कुछ ठीक-ठाक रहल त राजगीर के विश्वशांति स्तूप पर काल्हि होमय बला कैबिनेट बैठक में प्रस्ताव को मंजूरी भेट जाएत।

Sunday, 27 December 2009

देशभरि में शिक्षक कें 12.06 लाख पद खाली

देश भरि में टीचर के 12.06 लाख पद खाली छैक। एकर अतिरिक्त,7.72 लाख टीचर अनट्रेंड छथि। हालहि में स्कूली शिक्षा के ल कए मानव संसाधन मंत्रालय के सम्मेलन में एहि मुद्दा के समीक्षा कएल गेलैक। बैठक में इहो बात खुजल जे कतेको राज्य में शिक्षकलोकनिक क्वॉलिटी के संबंध में मारिते विसंगतियां छैक।

'राइट टु एजुकेशन' के तहत 30:1 के स्टूडेंट-टीचर अनुपात (पीटीआर) रखबा लेल,5.1 लाख अतिरिक्त टीचर चाही। एखन, 5.29 लाख स्कूल (कुल स्कूलों का 53.2 प्रतिशत) में 30:1 सं बेसी पीटीआर छैक।

13 राज्य में टीचर एजुकेशन कपैसिटी पर्याप्त छैक, मुदा पूर्वोत्तर के सातो राज्य में अनट्रेंड टीचरक प्रतिशत बेसी छैक । आठ राज्यक स्थिति गड़बड़ाएल छैक जतए अनट्रेंड टीचरक संख्या त बेसी अछिए,टीचर एजुकेशन कपैसिटीयो अपर्याप्त छैक।

आंध्र प्रदेश, दिल्ली, गुजरात, हरियाणा, हिमाचल प्रदेश, केरल, मध्य प्रदेश, महाराष्ट्र, पंजाब, राजस्थान, तमिलनाडु, आ उत्तराखंड में अनट्रेंड टीचरक संख्या बहुत कम छैक। एहि राज्य सभ में 2.33 लाख नव टीचरलोकनिक जरूरत छैक आ 94,000 सेवारत टीचर कें ट्रेंड करब जरूरी छैक। कर्नाटक में एकहुटा अनट्रेंड टीचर नहिं छैक परन्तु दिल्ली, गुजरात, केरल, महाराष्ट्र आ तमिलनाडु में अनट्रेंड टीचरक अनुपात एक प्रतिशत सं कम छैक।
(नभाटा,दिल्ली,27 दिसंबर,2009 में प्रकाशित अक्षय मुकुल केर रिपोर्ट पर आधारित)

बंगालीलोकनि भाषा समृद्धि लेल चिंतित


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,27 दिसम्बर,2009)

ललित नारायण मिश्र आर्थिक विकास एवं सामाजिक परिवर्तन संस्थान

एम.बी.ए.,मानव संसाधन प्रबंधन आ एमसीए में एडमिशन शुरू

(साभारःहिंदुस्तान,पटना,27 दिसम्बर,2009)

मगध विश्वविद्यालयःदूरस्थ शिक्षा में बी.एड.विद्यार्थी के काउंसिलिंग


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,27 दिसम्बर,2009)

मीडिया पर शोध

किछु दिन पूर्व,राजकिशोर लेख अपने सभहक विचारार्थ प्रस्तुत कएने रही जहि में बताओल गेल रहैक जे उच्च शिक्षा केर गुणवत्ता पीएचडी केर अनिवार्यता सं निश्चित नहिं कएल जा सकैछ। प्रस्तुत आलेख ओहि कड़ी के आगू बढ़बैत बता रहल अछि जे केना शोधार्थी लोकनि पीएचडी करबाक हड़बड़ी में,स्त्रोत सामग्री के टीपि रहल छथिः

(साभारःहिंदुस्तान,पटना,27 दिसम्बर,2009)

बैंकक वैकेंसी पर राखू नज़रि


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,27 दिसंबर,2009)

विश्वविद्यालय में रैशनलाईजेशन प्रक्रिया पूरा नहिं भेल अछि


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,27 दिसंबर,2009)

बेरोजगार शिक्षकलोकनि सावधान रहथि फर्जी भर्ती करनिहार सं


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,25 दिसम्बर,2009)

नियोजन मेला 21-22 जनवरी कए मुंगेर में


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,26 दिसम्बर,2009)

उच्च शिक्षा पर आई भ रहल अछि चर्चा


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,26 दिसम्बर,2009)

एमिटी आ एमएलयूसी के नबका कोर्स सब अवैध


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,26 दिसम्बर,2009)

Saturday, 26 December 2009

डॉक्टरलोकनि कें एसीपी भेटब शुरू


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,26 दिसम्बर,2009)

मिथिला विश्वविद्यालय में प्री-पीएचडी टेस्ट लेल आवेदन करू


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,26 दिसम्बर,2009)

Friday, 25 December 2009

विकलांग बच्चा सभहक लेल कोटा रहतैक


(हिंदुस्तान,25 दिसम्बर,2009)

ललितनारायण मिथिला विश्वविद्यालय में दूरस्थ शिक्षा में पढ़ू


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,25 दिसंबर,2009)

कल्हुका घोषणा पलटलःडीईओ नहिं करताह निरीक्षण


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,25 दिसंबर,2009)

स्वास्थ्यकर्मी लोकनिक बहाली रोकू,फर्मासिस्ट के बहाल करूःहाईकोर्ट




(साभारःहिंदुस्तान,पटना,25 दिसंबर,2009)

अनुमंडल स्तर पर डिग्री कॉलेजक घोषणा फेर


(साभारःहिंदुस्तान,पटना,25 दिसंबर,2009)

विद्यार्थी के घर सं घीचि क लाऊ