
नेशनल करिकुलम फ्रेमवर्क कें सिफारिश केर अनुसार,देशभरिक केन्द्रीय विद्यालय में एहि बेर पहिल सं 12वीं कक्षा धरिक छात्रक संख्या में भारी कटौती हएत। आब पहिल सं 5वीं धरिक कक्षा में 40-45 छात्रक स्थान पर 35 छात्र रहत। छठम सं आठम में ई संख्या 50-55 नहिं भ कए 40 रहत। 9वीं सं 12वीं तक कें कक्षा में 55-60क स्थान पर 45 छात्रक एडमिशन हएत।
एहि संख्या सं बेसी दाखिला भेला पर स्कूल प्रबंधन कें अलग सं कक्षा केर इंतजाम करए पड़तनि। एहि लेल भवन निर्माण सं ल कए अतिरिक्त शिक्षकक नियुक्ति तक कें प्रक्रिया अपनाओल जाएत। केन्द्रीय विद्यालय में शिक्षा केर बेहतर गुणवत्ता लेल एहि बेर प्रवेश परीक्षा पर सेहो खास ध्यान देल जा रहल छैक, ताकि नीक छात्र कें अवसर भेटए। प्रवेश प्रक्रिया आगामी 15 फरवरी सं शुरू हएत आ दू चरण में चलत।
केंद्रीय विद्यालय कें दाखिला कार्यक्रम नोट करूः-
पहिल चरण केर दाखिलाः-
दाखिला फॉर्म के वितरण आ जमा 15 फरवरी सं
फॉर्म जमा करएबाक अंतिम तिथि 20 मार्च
कक्षा-दू आ आन कक्षा सभहक लेल प्रवेश परीक्षा 7 सं 9 अप्रैल के बीच
पहिल कक्षा कें दाखिला आर दाखिला सूची 25 सं 31 मार्च के बीच
कक्षा-दू आर आन कक्षा सभहक सूची 16 अप्रैल कए
कक्षा-दू आ आन कक्षा में प्रवेश 21 सं 23 अप्रैल धरि
11वीं के दाखिला रिजल्ट अएलाक 20 दिन कें भीतर
नोट- पहिल कक्षा में दाखिला लेल प्रवेश परीक्षा नहिं होइत छैक।
दोसर चरण केर दाखिलाः-
दाखिला प्रक्रिया के बाद खाली बचल सीटक घोषणा- 30 जून कए
नव पंजीकरण 1 सं 7 जुलाई
प्रवेश परीक्षा 12-13 जुलाई
प्रवेश परीक्षा के नतीजा 16- 17 जुलाई
दाखिला 19, 20 जुलाई
11वीं के दाखिला रिजल्ट अएलाक 20 दिन कें भीतर
नोट- पहिल कक्षा में दाखिला लेल प्रवेश परीक्षा नहिं होइत छैक।
दोसर चरण केर दाखिलाः-
दाखिला प्रक्रिया के बाद खाली बचल सीटक घोषणा- 30 जून कए
नव पंजीकरण 1 सं 7 जुलाई
प्रवेश परीक्षा 12-13 जुलाई
प्रवेश परीक्षा के नतीजा 16- 17 जुलाई
दाखिला 19, 20 जुलाई
(दैनिक भास्कर,30.1.10,दिल्ली संस्करण में प्रकाशित शैलेंद्र सिंह केर रिपोर्ट पर आधारित)
No comments:
Post a Comment