* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 19 January, 2010

किदन कहै छै(2) केर परिणाम

एहि ब्लॉग पर नववर्ष में कहबी दिस ध्यानाकर्षण लेल किदन कहै छै नामक स्तम्भक प्रकाशन प्रारम्भ कएल गेल छल। एकर दोसर कड़ी में पूछल गेल प्रश्न छलः
" जेहन मुंह ने तेहन छिड़ियाहे बड़" केर माने की?
विकल्प छलः-
- जे सुंदर हुअए,तेकरे छिड़िआएब उचित
- जे योग्यताक अभाव रहितहुं बेर-बेर रूसय
- सुन्दर रहितो,जं छिड़िआएब तं उपहासक पात्र बनब
- छिड़ियाह लोग प्रायः सुंदर होइते छैक
सही उत्तर छैकः जे योग्यताक अभाव रहितहुं बेर-बेर रूसय
नव कहबी प्रस्तुत करैत,पाठकलोकनि सं आग्रह जे कहबी लेल उपयुक्त वाक्य प्रयोग सेहो लिखि कए sujhavpeti@gmail.com पठाबथि। एहि प्रकार प्राप्त प्रत्येक वाक्य कें एकर उत्तर संग अगिला सप्ताह प्रकाशित कएल जाएत।

No comments:

Post a Comment