* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 29 January, 2010

केंद्रीय विश्वविद्यालय में वीसी केर दू बेरक कार्यकाल हएत

आजुक टाइम्स ऑफ इंडिया,दिल्ली संस्करण में प्रकाशित खबरि के मोताबिक,मानव संसाधन मंत्रालय केंद्रीय विश्वविद्यालय के वीसी सभहक कार्यकाल दू बेर निश्चित करबाक प्रयास में अछि। मंत्रालय एहि संबंध में सभ केंद्रीय विश्वविद्यालय कें वाइस-चांसलर के पत्र लिखिकए संबंधित कानून में संशोधन केर वास्ते फाइल चलाबए लेल कहलक अछि। देश में एखन जामिया मिल्लिया इस्लामिया,बनारस हिंदू विश्वविद्यालय,पूर्वोत्तर पर्वतीय विश्वविद्यालय आ पांडिचेरी विश्वविद्यालय समेत साते टा केंद्रीय विश्वविद्यालय छैक जनिकर वीसी के दू बेरक कार्यकाल भ सकैत अछि। शेष 33 केंद्रीय विश्वविद्यालय में एकहि बेर वीसी बनि सकैत छी। अनुमान अछि जे एहि प्रयासक बाद,जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय आ दिल्ली विश्वविद्यालय केर वीसी दोसर कार्यकालक लेल प्रयास क सकैत छथि। वाईस चांसलर सभकें लिखल पत्र में मंत्रालय कहलक अछि जे केंद्रीय विश्वविद्यालय में शिक्षकक सेवानिवृत्ति उम्र 62 सं बढ़ि कए 65 साल आ वीसी केर 65 सं बढिकए 70 बरख भ गेल छैक आ कतेको विश्वविद्यालय में कानून एहन नहिं छैक जे सेवानिवृत्त भ रहल वीसी दोसर कार्यकालक मांग क सकथि। तें,आब एहन प्रावधान करब जरूरी भ गेल छैक। मंत्रालय के विचार छैक जे विश्वविद्यालय कें नेतृत्व प्रदान क सकनिहार सक्षमलोकनिक कमी छैक आ कार्यकाल कें विस्तार देला सं योग्य वीसी के आओर नीक करबाक प्रेरणा भेटतन्हि । ज्ञातव्य जे आईआईटी में सेहो निदेशक दोसर कार्यकालक लेल पात्र होइत छथि।

No comments:

Post a Comment