* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Sunday 31 January, 2010

महाराष्ट्र में एंटी-रैगिंग समिति

महाराष्ट्र में रैगिंग केर बढ़ैत घटना के देखैत राज्य सरकार सतर्क भ गेल अछि। उच्च आ तकनीकी शिक्षा मंत्री राजेश टोपे रैगिंग रोकबा लेल उच्च स्तरीय समिति गठित करबाक प्रस्ताव मुख्यमंत्री अशोक चव्हाण के पास मंजूरी लेल पठओने छथि। एहि उच्चस्तरीय समिति में मुख्यमंत्री, उप-मुख्यमंत्री आ राज्यपाल रहताह। राज्य सरकार आगामी शैक्षणिक वर्ष में सभ कॉलेज में रैगिंग-विरोधी जागरूकता अभियान शुरू करबाक निर्णय सेहो लेने अछि। जागरूकता अभियानक अंतर्गत छात्रलोकनि कें बताओल जएतनि जे रैगिंग के मामिला में ओ कतए शिकायत क सकैत छथि आ इहो जे दोषी छात्र पर की कार्रवाई भ सकैत छैक।
ज्ञातव्य जे पुणे के डीईएस लॉ कॉलेज के छात्र प्रशांत चितलकर रविवार कए रैगिंग कें शिकार भैला पर आत्महत्या क लेलक। एकरे देखैत राज्य सरकार आब एक उच्चस्तरीय समिति गठित क रहल अछि। एही बरख ३ जनवरी कए परेल (मुंबई) के केईएम अस्पताल के जी.एस. मेडिकल कॉलेज के १८ छात्र कें भोईवाडा पुलिस रैगिंग के आरोप में गिरफ्तार कएने छल।

No comments:

Post a Comment