* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 29 January, 2010

व्यावसायिक शिक्षाक लेल फराक बोर्ड बनत

आजुक दैनिक भास्कर, दिल्ली संस्करण में प्रकाशित पंकज कुमार पांडेय केर रिपोर्ट में कहल गेल अछि जे व्यावसायिक शिक्षा कें रोजगारमूलक बनएबाक प्रयोजन सं केंद्र आ राज्य में अलग बोर्ड बनएबाक प्रस्ताव छैक। योजनानुसार, इंटर स्तर पर पाठ्यक्रम में व्यावसायिक शिक्षा कें शामिल करबा लेल 5000 सरकारी स्कूल खोलल जाएत। निजी क्षेत्र में सेहो एतबे संस्था कें व्यावसायिक शिक्षा कार्यक्रम शुरू करबाक अनुमति देल जाएत। योजना में उद्योग जगत के साथ मिलिकए पाठ्यक्रम तैयार कएल जाएत ताकि ओकर आवश्यकतानुसार छात्र सभ कें तैयार कएल जा सकए। निजी क्षेत्र के संस्थान में 50 प्रतिशत सीट सरकार द्वारा प्रायोजित भ सकैत अछि। मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल शिक्षा सचिव लोकनिक संग जे बैठक कएलनि,ओहि में व्यावसायिक शिक्षा केर नव योजनाक खुलासा कएल गेल। एगारहम योजना में एहि योजना लेल कुल 2000 करोड़ रुपय्या देल गेल छैक। बैठक में जानकारी देल गेल जे केंद्रीय स्तर पर सेंट्रल बोर्ड ऑफ वोकेशनल एजुकेशन आर राज्य स्तर पर स्टेट बोर्ड ऑफ वोकेशनल एजुकेशन केर गठन हएत। बोर्ड केर गठन हएबा धरि, ओकर काज सीबीएसई आ संबंधित राज्यक एक प्रकोष्ठ देखतैक। एकर अतिरिक्त, राज्य सभ में एक अलग व्यावसायिक शिक्षा निदेशालय बनएबाक प्रस्ताव सेहो छैक, ताकि पूरा कार्यक्रम के प्रभावी तरीका सं कार्यान्वित कएल जा सकए।

No comments:

Post a Comment