* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 12 January, 2010

किदन कहै छै(1) केर परिणाम

पछिला सप्ताह सं एहि ब्लॉग पर किदन कहै छै कॉलम प्रारम्भ कएल गेल छल जे कहबी आधारित छैक। एहि कॉलम केर पहिल कहबी छलः
सुनि सुनि लगइछ दांती,कुक्कुर बन्हइछ गांती केर माने की?
विकल्प छलः-
-जं कुत्तो देखौंस करए लागए त दांती लागब स्वाभाविक छैक
-गांती नेना लेल होइत छैक,कुक्कुर लेल नहिं
-साधारण व्यक्तिक असाधारण प्रगतिक प्रतिएं कोनो पूर्वक पैघ व्यक्तिक ईर्ष्या
-कुक्कुर केर गांती बन्हबाक खिस्सा सुनिते दांती लागि जाइत छैक

सही उत्तर छैकः साधारण व्यक्तिक असाधारण प्रगतिक प्रतिएं कोनो पूर्वक पैघ व्यक्तिक ईर्ष्या।
66 प्रतिशत वोट देनिहार सही विकल्प चुनलनि। 33 प्रतिशत लोक गांती नेना लेल होइत छैक,कुक्कुर लेल नहिं विकल्प चुनने छलाह जे गलत छल।
नव कहबी प्रस्तुत करैत अपने लोकनि सं पुनः आग्रह जे एकरा लेल सरस वाक्य बना कए sujhavpeti@gmail.com पर पठाबी।

No comments:

Post a Comment